जनकपुरधाम । हमरसभके देश नेपालमे प्रतिभाके खगता नइ छै । मात्र राज्यके सहयोग आ समर्थन नवप्रतिभाके नइ भेटैत छै । राजनीतिक कर्तासभ उर्जावान लोकके प्रोत्साहनस’ अधिक दु्रुत्सान कए दैत छैथ ।
अनियमीतता भ्रष्टाचार सिस्टाचार बनल छै । तथापि किछु उत्साहित प्रतिभाकमल अपन टेंटस’ लगानी क’क’ चमत्कृत अविष्कार क’क’ लोकके अचरजमे राइख दैत छै । अखनु एहने अचरजबाला काज कएलाह पश्चिम नेपालक एकटा होनहार प्रतिभाकमल ‘ बीरेन्द्र गौतम ।
गौतम चाइर सीट क्षमताबाला एकटा हेलिकप्टर निर्माण कएलाह । से जनतब महोत्तरी बर्दीवास नपाके पूर्व वार्ड अध्यक्ष फाल्गुन मगर मादे भेटल । रुकुम पश्चिमके निवासी युवा बैज्ञानिक बीरेन्द्र गौतम नीजीस्तरस’ अप्पन रकम लगानी क’क’ हेलिकप्टर निर्माण करएमे सफल भेलाह ।
४ सीटबाला आर.एन.१६८हेलिकप्टर पुरापुरी तयारी कएलेने छै । मात्र नवनिर्मित हेलिकप्टरके परिक्षण उड़ान करब काज बांकी रहल छै । एहन जनतब भेटल ।
प्रतिक्रिया