जनकपुरधाम । प्राचीन मिथिला सभ्यता संस्कृति बोकने मटिहानी नगरपालिकाके मेयर फेर एकबेर वाहवाही लुटब जोकरकाज कएलाह ।
मटिहानी नगर पालिका वार्ड नं.७ स्थित तसमैया बाबा एदानमे भव्य झण्डोतोलन मङ्गल दिन कएलगेल छै । भारतीय सीमास’ सटल ऐतिहासिक स्थल मटिहानीमे ११० फिट खरगर लमगरफोलमे पच्चिस फिट चौरगर सूरुज चान तरेगन अंकित नेपाली झण्डा खडा कएलगेल छै ।
नेपालीके गौरव दियाबबाला देशके मान आ पहिचानकेँ सम्मान हेतु सीमाक्षेत्रके नगरमे एतेक नम्हर झण्डा खाड़ करब परोसीयोके माथ उठाक देखब हेतु नजर गराएब काज क’क’ मेयर हरिप्रसाद मण्डल सुरखुरु कहौलाह ।
संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र देश नेपालक उपराष्ट्रपति रामसहयाय प्रसाद यादव सबस’ नम्हर खरगर नेपाली झण्डाकेँ एकभव्य समारोहबीच झण्डोतोलन कएलाह । ओहि अवसर पर उपराष्ट्रपति यादवकेँ मटिहानी नगरपालिकाव्दारा विशेषरुपस’ आयोजित नागरीक अभिनन्दन सेहो कएलगेल ।
नागरी अभिनन्दन कार्यक्रममे सहभागीताक संगेसंग उपराष्ट्रपति यादव संसारमे अखनु संचालनमे रहल मादे दोसर स्थानमे सभस’ अधिक पुरान संस्कृत विद्यालयमे अवलोकन भ्रमण कएलाह । एकर अतिरिक्त ऐतिहासिक महत्वकस्थल लक्ष्मीनारायण मन्दिरमे दर्शन पुजन कएलाह ।
लक्ष्मीसागरमे जलार्पणक’ पुजा आराधना समेत उपराष्ट्रपति यादव कएलाह । कार्यक्रममे नागरीक अभिनन्दन एवं झण्डोतोलन कार्यक्रममे मेयर मण्डलके अतिरिक्त मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री सरोजकुमार यादव, प्रादेशीक मन्त्री सुरीता साह स्वागत कएलैथ ।
जलेश्वर नगरपालिकाके मेयर सुरेश साह सोनार, पूर्वमन्त्री हरिनारायण यादव, मधेशप्रदेशके पूर्व मुख्यन्याधिवक्ता दिपेन्द्र झा, संस्कृत विद्यालयक प्राचार्य इश्वरी पौडेल एवं अध्ययनरत बटुक आ नागरीक समाजके अगुवासभ उपराष्ट्रपतिकेँ स्वागत कएने छलैथ ।
मटिहानी नपाके मेयर मण्डल एहने अजगुताह काज किछु नइ किछु करैत रहने जनमानमे सुरखुरु बनल रहैत छै । हिनक काजस’ समाजोमे सोकजगर परिणाम अबैत छै । तैँ समाजस’ प्रशंसित होइत रहैत छैथ ।
प्रतिक्रिया