जनकपुरधाम । त्रेतायुगके नायक मर्यादा पुरुषोतम भगवान श्रीरामके जन्मोत्सवके अवसर पर नगरमे भव्य शोभायमान यात्रा बहार कएलगेल ।
जय श्रीरामके नारा लगबैत जनकपुरधाममे पहिलबेर एहन शोभायमान यात्रा बहार कएलगेल । जाहिस’ सउंसे नगरके गल्ल-कुच्ची सभतरि जयश्रीरामके नारा दिनभरि अनुगुञ्जित होइत रहल ।
फरक-फरक समूहगत रुपमे राम नओमीक अवसर पर झांकी जुलुस बहार कएलगेल छल । जाहिमे जनकपुरधाम उपमहानपाके मेयर मनोज साह, प्रफूल्ल घिमिरे सहित सहभागिताक धार्मिक यात्राक जुलुस शान्तिपूर्णनगर परिक्रमा कएलक । विश्वहिन्दु परिषद् नेपाल मादे बहार कएलगेल छल ।
सनातनधर्मप्रति लोकक आस्था एहन जागल रहब हिन्दुधर्माबलम्बीसभ लेल नीक बात छै । मुदा किछु समूह यात्रामे किछु उत्छृखलता सेहो देखलगेल जे सभ्य समाजक हेतु नीक नइ मानल जासकैए ।
पहिल बेर मिथिलानगरि जनकपुरधाममे ब्यापक युवा जनसहभागितामे शोभायमान बहराएल छल । सनातन धर्म मूल्य मान्यताक हिसाबस’ एकधर्म दोसर धर्मके लोक पन्थके अवमानना होए तेहन काज नइ होबक चाही ।
यात्रा वार्ड नं.५मे जानकीमन्दिरक पाछाक टोलमे गेला पर किछु लोक उताहुल भगेल । दू सम्प्रदायबीच चर्काचर्कीक अवस्था आइबगेल तथापि सयंमता आ सम्झदारीस’ अप्रीय घटना नइ होब सकल ।
मुदा जे स्वरुप देखाएल ओ कल्हुकक दिनमे एतुका शान्ति सुव्यवस्थामे खलल पुंगत एवं आपसी व्यमनस्य बढ़त दू वर्ग समुदायबीच द्वन्द चर्कत तेहन संकेत देखाएल ।
प्रतिक्रिया