जनकपुरधाम़ । अप्पन बात,कला, संस्कृतिके प्रचारित आ प्रशारित करब एकटा माध्यम सिनेमा सेहो होइत छै । अपन निजत्वक खोज आ माटि-पानिमे सनाएल, लेराएल अजगुताह विषय बस्तुस’ सम्माहित कथाबस्तुस’ तयार कएलगेल,‘ससुराल एक श्राप’ शिर्षकके टेलिश्रृखला ६५ एपिसोट पुरा कए प्रशारित कएलगेल । जे यूट्यूब पर नियमीत प्रशारण होइत आएल ।
आर्थिकअभाव राज्यके निरुत्साहन रहलो पर भाषाप्रेम एवं कलाप्रतिके अगाध सिनेहके ओजहस’ सिनेमाके मादे जनजनमे अपन संस्कृति, कलाके प्रसार आ विकास लेल २१ गोटे युवा कलाकारसभकेँ समूह एहिमे लागल आएल छै ।
जिनकासभके परिचय एवं पहिचान अप्पन नामस’ बेसी सिरियल पात्रके नामस’ अधिक ख्याति भेटल छै । मुदा अपने गाम ठाममे प्रचार प्रशारमे खगता छै । जखन की परोसी देशके मिडियाके प्रमुख समाचार एतुका मिथिलानगरि जनकपुरधामक्षेत्रके वासी कलाकर्मीसभ भेल ।
मुदा एतुका मिडियामे चर्चो नइ ! एहन बिडम्बनाके सिकार कलाक्षेत्र आ कलाकर्मीसभ भरहल छै । तेहन उपराग सहित ध्यानाकर्षण करबैत एतह अवार्ड बितरण एवं सम्मान कार्यक्रम आइ अखनु कएलगेल छै ।
नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाशाखाके सभाकक्षमे कएलगेल कार्यक्रममे ‘ससुराल एक श्राप’ टेलिश्रृंखलामे सहभागी कलाकार, प्राविधिक सहितके २१ गोटेके टीमकेँ सम्मान कएलगेल । टेलिश्रृंखलाके लेखक एवं निर्देशक अरुण विजय(अजय यादव) सभकेँ पितरके अर्वाड प्रदान करैत सम्मानित करैत खुश व्यक्त कएलाह ।
‘लभ यू मिथिला प्रा.लि.’के तत्वाधानमे आयोजित तथा एभि म्युजिक्दारा प्रस्तुत सम्मान कार्यक्रममे टेलिश्रृंखलाके मुख्यपात्र इशिका भुजेल, अभिनाश झा, बिरेन्द्र साह(धामी) श्याम शशि,रामपुकार साह(बाबा सिकन्दर),सम्मानित कएलगेल छै ।
तहिना कथानक अनुसार अन्य चरित्र चित्रण कुशलतापूर्वक निमाहब काजमे सामेल नरेश शर्मा(गोलमटिया), डिम्पी राय(पत्नी), शरीली गोइत(पुतहु), अनिशा सदा(अन्सा-बेटी), भूतके भूमिकामे मनोज, एवंदोहरो भूमिकामे पीपही आदिके सम्मानित कएलगेल ।
सिनेमाके प्राविधकपक्ष सम्महारबाला पर्दाके पाछाक कलाकारसभमे भारत मोतिहारी निवासी प्रमुख एडिटर पोपट पटेल, सहायक छायांकार प्रह्लाद, एडिटर सञ्जय भुजेल, भीएफएक्स एडिटर बच्चन जी, पोष्टर डिजाइनर कृष्ण कुमार एवं नेपम धनुषाके सचिव लाथे बटुकनाथ झाके सेहो सम्मान कएलगेल छै ।
प्रतिक्रिया