कुरमुर नागवंशी
जनकपुरधाम । ‘‘नेपालके एकटा अनमोल रतनके हमसभ गुमा चुकल छी । जे राजेश्वर नेपालीरुपमे हमरासबबीच छलाहा, मुदा, हुनका स्वर्गवासी भेलाहबादो हमरासबबीच सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताह तेहन सृजनात्मक कार्य-योगदान क’क’ गेलाह’’।
मधेश प्रदेशके सभामुख रामचन्द्र मण्डल अपन धारना राखैत मङ्गलदिन हुनक जन्म-जयन्ति तथा श्रद्धाञ्जलि समारोहमे बजलाह ।
प्रजातन्त्र तथा प्रेसस्वतन्त्रता सेनानी, साहित्य सर्जक, निर्भिकताका प्रतिमूर्ती,नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीके अस्सीयम् जन्म-जयन्ति तथा श्रद्धाञ्जलि समारोह’कार्यक्रम रङ्गवाटिका नेपाल’व्दारा आयोजन कएलगेल छल ।
कार्यक्रममे प्रमुखअतिथि रुपमे सभामुख मण्डल सहभागी छलाह । नेपाली जीके मात्र पत्रकारिताक्षेत्रस’ बान्हिक देखल नइ जासकैए । ओ सृजनात्मकता लेल समाजक हरेकक्षेत्रमे कार्य परिर्वतकारी काज करएबाला निर्भिक आ निर्लोभी योद्धा छलाह ।
साहित्य, भाषा, कलात्मक विकास एवं जनसमान्यके समृद्धिदायी काज लेल सत्ता शासकस’ लैड़ जाएबाला लोक मिथिला-मधेश भूमिमे ओ एसगरि वीर छलाह । हुनक वीरताके सम्मान हमसब आगुओदिनमे करैत रहब । सभामुख मण्डल सेहो तर्क देलाह ।
‘नेपाल रत्न’ नेपाली जीके विभिन्न क्षेत्रमे कएल योदान आदि बारेमे हुनक छबी झलकैत रहए तेहन सार्थक काज कएल जाए चाही । प्रदेश सरकार, स्थानीय सरकार एवं संघीय सरकारके ध्यान आकर्षण हो अथवा कराओल जाय चाही सभामुख मण्डल हुनक तस्वीर पर माला फूल चढाक श्रद्धाञ्जलि दैत कहलाह ।
‘महामना राजेश्वर नेपाली व्यक्तित्वधन-कृति परिचर्चा’ कार्यक्रममे रङ्गवाटिका नेपाल दिसस’ प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी अग्रज पत्रकार अशोक रौनियार कार्यक्रमके सभापतित्व कएने छलाह ।
कार्यक्रममे अग्रज पत्रकार प्रेसस्वतन्त्रता सेनानी राम भरत साह सृजनशील कलम जीवी नेपालीजीके सानिध्यतामे हम २०३० सालस’ रहैत आएल छलीह ।
हुनका बारेमे जतेक कहब थोर होएत । अस्सीयो वर्षके आयुमे हुनक लेखन कार्य जारी छल । हुनका सन अतुलनीय धरोहरके आब मनमे मात्र राख सकैत छी । अपन धारना राखैत साह कहलाह ।
अस्सीयम् ‘जन्म-जयन्ति तथा श्रद्धाञ्जलि समारोह’ कार्यक्रममे सभासद् किरण कुमारी साह-‘‘कलमके सच्चा सीपाही नेपाली पत्रकारिताक्षेत्रक सिद्धहस्त व्यक्तित्व राजेश्वर नेपालीकेँ अभावक पूर्ति नइ होबऽ सकैए मुदा हमसभ हुनक बताओल मार्ग पर चली ओहे सच्चा श्रद्धाञ्जलि होएत !’’ श्रद्धा सुमन अर्पण करैत कहलीह ।
कार्यक्रममे जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके उपप्रमुख किशोरी साह—‘स्वर्गवासी निष्ठावान स्रष्टा नेपाली जी नेपाली काँग्रेसस’ जुड़ल लोक छलाह । मुदा ओ कोनो दल गुटमे बन्हाक चलबाला नइ रहलाह । दलस’ उपर उइठक स्वतन्त्रविचारक भ’क’ पृथक बा पर चलैत रहला ।
कोनो दल-नेता किछु गल्त कएलाक ठायंपठायं जबाव दिअबाला साहसीक पुरुष छलाह’ श्रद्धा सम्पर्ण लोकतन्त्रप्रतिके हुनकासन लोकमे कुइटकुइटक भरल छल । एहन सिद्धान्ती लोक भेटब दुर्लभ छै !’ अपन मनतव्यक क्रममे उपप्रमुख साह कहलाह ।
शैक्षिक योग्यता-प्रमाणपत्रके आधारमे दिवंगत नेपालीकेँ जन्म मिति २००२ साल भादव-१९ गते छै । मुदा हुनक पारिवारिक सदस्यगणस’ भेटल जनतब अनुसार हुनक जन्म दू सालस’ किछु वर्ष अगते भेल छल । ताहि हिसाबे हुनक अस्सी वर्ष एह भादव १९ गते जन्मजयन्तिक शुभ अवसर पर ८० टा कलम गाछ-बृक्ष रोपन कएल गेल ।
पत्रकार, साहित्यकार, एवं हुनाप्रति अनुराग रहखिहारजनसभ सम्मलित लोक वृक्षारोपा हुनक नाम पर कएलाह । जनकपुर बेला गाम दूधमति पुलस’ उत्तर सड़ककेँबीचोबीच मेडियनमे बृक्षा रोपन कएलगेल ।
बृक्षसभ रङ्गकर्मी तथा सञ्चारकर्मी उपेन्द्र भगत नागवंशी विशेष प्रविधिस’ अपने बृक्ष तयार कएने छैथ । शहरी-सड़ ककातमे रोपन कएल जायबाला एवं स्वास्थ्यवद्र्धक प्राणवायु प्रदायक एवं शुभ सूचक बक्षके उत्पादन नागवंशी करैत आएल छै आ सुरक्षित रोपन सेहो । ओहि क्रममे अस्सीटा बृक्षा रोपन कएल गेल छै । एहे भादव ६ गते अपन पुत्रीक जन्म दिवस पर सेहो नागवंशी बृक्षा रोपन कएने करबौने छलाह ।
रोपन कएलगेल बृक्षसभके सुरक्षित घेरा हेतु लोहाके खोप(टी गार्ड) जनकपुरधाम वार्ड नं.२३के वार्डस’ प्राप्त भेल छल । कार्यक्रम भिहान ७ बजे बृक्षारोपन कएलगेल । तेकराबाद श्रद्धाञ्जलि समारोहक काज भेल । जाहिमे गणिनाथ गोविन्द सेवाके अधिकारी सदस्यगणसभकेँ विशेष सहयोग रहल जनतब भेटल ।
आयोजक संस्था रङ्गवाटिका नेपालके कलानिर्देशक-अध्यक्ष एवं सीमाञ्चल सम्पादक उपेन्द्र भगत नागवंशी मादे सञ्चालित बृक्षारोपन एवं श्रद्धाञ्जलि समारोहमे नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके उपाध्यक्ष अवधेश कामत सेहो प्रमुख वक्ताके रुपमे श्रद्धेय नेपालीके जीवन-बृत्ति पर प्रकाश पारने छलाह ।
स्वर्गिय नेपालीके जमाय तथा पत्रकार श्रीनारायण साह स्वागत मनतव्य ब्यक्त करैत नेपालीजीके जीवन बृतान्त बतौने छलैथ । हुनक कलेजक संगी पुरहित रामचन्द्र झा रमण विभिन्न स्मरणीय एवं मननीय पेहानी कहैत धन्यवाद ज्ञापन कएने छलाह ।
समाजसेवी ई.सुभाषचन्द्र साह,रामचन्द्र पजियार, प्रा.रमेश साह, साहित्यकार रामस्वार्थ ठाकुर गान्धि, सामाजिक अभियन्ता बिप्ती मण्डल, दिनेश पूर्वे, भोगेन्द्र लाल कणर्, डा.उपेन्द्र साह, केवलकुमार शर्मा बृक्षारोपा कएलाह ।
तहिना दिवंगत नेपाली जीकेँ स्मरणहेतु प्रतिकात्मक रुपमे सदैव लोकके स्मरण करबैत रहए ताहि हेतु प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी अशोक रौनियार, रामभरत साह, पत्रकार कमल साह, श्रीनारायण साह, पुरन साह रौनियार, अवधेश कामत, शैलेन्द्र महतो, प्रबिण साह,सामेल छलाह ।
तहिनाही दिनेश साह, मुकेश दुब्बे, हदिश खुद्दार, निरन्जन साह,भारतीय पत्रकार मिश्रीलाल मधुकर,अभय शर्मा आशिष,उतिमलाल कापडि, हरिवंश यादव, गायक नविनकुमार मिश्र, सहित दर्जनो लोक प्रशन्नतापूर्वक बृक्षारोपन कएलाह ।
भालसरी, मैलश्री, खीरिया-पुरिया, पितौजिया, पुत्रजीवक, कचनार, हर्रे, बर्रे,जौंगी, रक्त अशोक, सीता अशोक, नीम, बड़, पीपर, महुवा, रीठा,ढाक, पलाश आदि गाछके कलम रोपन कएलगेल छै ।
प्रतिक्रिया