‘राजा आउ देश बचाउ’के नारा जनकपुरधाममे धनकल

२०७८ कार्तिक ९, मंगलवार १२:४०
सीमाञ्चल समदिया

  • 66
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । राजतन्त्र पुनरस्थापना लेल मिथिलानगरि जनकपुरधाममे ‘राजा आउ देश बचाउ’ के नारा लगबैत बर्तमान लोकतान्त्रिक व्यवस्थाकेँ बिरोध करैत जुलुस प्रदर्शन कएलगेल छै ।

‘राष्ट्रवादी नागरिक समाज’ असन, काठमाण्डौके तत्वाधानमे राजतन्त्र स्थापनार्थ एवं लोकतन्त्र बिरोधी जुलुस मङ्गलदिन बेरियामे बहार कएल गेल । आधा सय जतेक लोकक सहभागितामे आयोजन कएलगेल जुलुस जनकपुरधामकेँ पीराड़ीचौक लगस’ बहार कएलगेल छल ।

पीराड़ीचौकस’ पछिम रत्नसागर स्थान दिस जाएबाला चौकलगस’ शुरु जुलुस ओतहिस’ उत्तर पीराड़ी गाम दने रानी बजार कबर्ड हौल लग पुगल छल । कर्वड हौललग सभा कोनसभामे परिणत भ’ समापन कएलगेल छल ।

राष्ट्रवादी नागरिक समाजकेँ केन्द्रिय अध्यक्ष चबरा ‘‘ राष्ट्रिय एकताके प्रतिक राज संस्था छै । किछु मूठीभर व्यक्तिसभकेँ उच्च बिलासी जीवन सबदिन बितबैत रहे ओ मनोकांक्षा पूर्तिलेल, बिदेशीके दलाल बनल । जाहि कारण राजतन्त्र विस्थापित कएलगेल छल । मुदा जनता अखनुका तन्त्रस’ आरो अकुलागेल छै ।

राष्ट्रिय स्वाभिमान, सम्पदा गिरबी राइख देल गेल छै तेकरा छोड़ाब लेल एकमात्र उपाय राजसंस्था पुनर स्थापना छै ’’; अपन धारना राखैत आयोजक समाजके अगुवा चबरा बजलाह ।

सभा कार्यक्रम समाजके केन्द्रिय सदस्य एवं धनुषा अध्यक्ष बिरेन्द्र राउतकेँ सभापतित्वमे भेल ।‘‘ हमरसभकेँ माइटस’ सनाएल व्यवस्था , बहुलजाति, बहुधार्मिक व्यवस्था आ सबल राज्यब्यस्था राजतन्त्रेमे नीक छै । से तर्क दैत अइके हरण भेल छै ताहिके उद्धारमे नेपाली जनताकेँ आब लागही पड़तै अहिमे देश-मधेशके कल्याण छै ।’’

सहभागी राउत, केन्द्रिय उपाध्यक्ष लक्ष्मी मल्ल सहित आधा दर्जन सहभागीसभ अपन अपन धारना राखैत कहलाह । आयोजनस’ सम्बध्द एवं जुलुसमे सहभागी रुपेश झा सीमाञ्चल समदियाकेँ जनतब देलाह । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
शरनार्थी प्रकरणमे हजसमिति अध्यक्ष मीयाँ सहित १४ धराएल
२०८० जेष्ठ ४, बिहीबार १४:२७
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा प्रहरी चोरनराह गिरोहके पकरलक
२०७९ फाल्गुन २०, शनिबार १८:०६
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
हत्याआरोपमे सनायल संसद महतो पर कार्यवाही हेतु गृह कटलक पत्र
२०७९ माघ ६, शुक्रबार २२:३३
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया