राजनीतिक बड़ी पकाक गुलगुलाबलेल ठामठाम होरी महोत्सव

२०७८ फाल्गुन २८, शनिबार १७:४०
सीमाञ्चल समदिया

  • 13
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । होरी हर्ष एवं उमंगके प्रतिक पर्व त छैहे । सत्य असत्यवीचकेँ व्दन्दके हटाक आपसी एकता भातृत्वप्रेमके एकनिष्ठता लेल सपथ खायब हेतु सेहो मनाओल जाइत छै ।

होरी बहने विभिन्न तरहके कार्यक्रम आयोजन समेत होइत छै । अहिक्रममे रेडियो रुपान्त्रण परिवारव्दारा शनिदिन महोत्तरीके र्गौशालामे होरीके रङ्गारङ्ग कार्यक्रम कएलगेल ।

कार्यक्रममे प्रदेश दूके आन्तरिक मामिला तथा सञ्चारमन्त्री भरत साह, प्रदेससंसद लक्ष्मी थापा, महोत्तरी जिला गौशाला नगर पालिकाके प्रमुख शिवनाथ महतो, औरही नपाके प्रमुख सुनिलकुमार यादव सहितके भद्रभलाआदमीसभ अधिक संख्यामे सहभागी छल ।

सांस्कृतिक जागरण अभियानके संग आगामी ३०गते मिथिलानगरि जनकपुरधाममे नेपाल टप मिडिया ग्रुप होरीके कार्यक्रम करए जारहल छै । तहिना डेली एक्सप्रेस पत्रिकार सेहो जानकी मन्दिरमे कार्यक्रम करत ।

मिथिला नाट्यकला परिषद् एक-डेढ़दशक जतेक समयस’ निरन्तर हरेकवर्ष जानकी मन्दिर प्राङ्गनमे मैथिलीके मौलिकता झलकाबैत होरी महोत्सव एवं महामुर्ख सम्मेलन आयोजन करैत आएल छै ।

होरीपर्व आपसी एकताके मजगुत करब नाममे अपन अपन दल, दलीस समर्थक सभकेँ एकठाम जौर करब लेल एवं राजनीतिक बड़ी पकाक गुलगुलाब लेल अधिक भरहल छै ।

अइकाजमे कलासेवक-कालाकार सेहो दल ढोलकीया बैनक हँ मे हँ नइ मे नइ स्वरतान मीलाबमे लागल देखल जाइत छै । तेहनबाध्यात्मक अवस्था राजनीति सृर्जना कदेने छै ।

तैँ समाजमे एकटा मौलिक छाप मेटाक फरक छाप छुटैत जारहल छै । होरीके मूल मर्म हेराबके काज तिब्रतासंग भरहल छै । अइदिस प्रबृद्ध बर्गके गम्भिरता पूर्वक पहल करब ओकर बेगरता छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया