सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । अनुत्पादक शिक्षानीति, बेरोजगारी, आ लाचारीके कारण भटकैत, पलायन होइत एवं मादक पदार्थके कुलतमे पड़ैत जारहल युवासभकेँ सचेतना लेल जुलुस प्रदर्शन कएलगेल छै ।
प्रदेश दूके बर्दिवास नगरपालिका वार्ड नं.३ गौड़ीडाड़ामे सचेत युवा जमातसभ सम्मलित सचेतना जुलुश बहार कएलगेल । मङ्गलदिन बहार कएलगेल खबरदारी सहितके सचेतना जुलस ‘समृद्ध समाज’ नामक स्वयंसेवी संस्थाके मादे बहार कएलगेल छल ।
प्रतिबन्धित मादक पदार्थ बिरुद्ध, समाजके हरेक वर्गके सचेत होएब तेकर दरकार छै । भावि सन्तततिके भटकाव रोकब बेसी आवश्यक छै । जाहि रुपमे युवासभ मादकपदार्थके सेवन दिस अग्रसरित भरहल छै ओ नेपाली समाजकेँ गत्तर तोइर रहल छै । तहुस’ समाजके जागब आवश्यक छै अइ बात पर जोर देलगेल ।
भावि सन्ततीके जीवन सुरक्षा आ सुन्दर भविष्यकेँ लेल अभिभावक मात्रके नइ समाजके हरेक तह तप्काके लोकके सजगता, सतर्कता आ एक दोसरप्रतिके निगरानी करब आवश्यक भगेल छै । भ्रष्टाचार, आ देशक रजनीतिक बेथिति समेत पर प्रकाश पारैत सहभागी युवासभ अपन-अपन धारना समापन क्रममे राखैत बाजने छलाह ।
प्रतिक्रिया