जनकपुरधाम । युरोपके प्रवेशव्दारके रुपमे समेत जानल जाइत मुश्लिमबाहुल्य देश ‘टर्की’मे एवं ‘सिरिया’ एहि दूनु देशमे बितल सोमदिन अन्हरौखे भिन्सरवामे आएल दलकीस’ भिषण तबाही मचल छै ।
टर्कीके विपद् व्यवस्था करएबाला निकायके कहब आ ओतुका सरकारी सञ्चारमाध्यमस’ प्रशारीत खबर अनुसार इसमाचार लीखबधैर टर्कीमे १२ हजार ३ सय ९१ गोटेके दलकीमे पैरक जान-प्राण चैलगेल छै । एकर अतिरिक्त दलकीमे पैरक ६२ हजार ९सय १४ गोटे घाहिल भेल छैथ ।
मृतकके संख्या एहिस’ दू गुणो होब सकैए एहन सम्भावना ओतुका अधिकारीसभ व्यक्त करहल छैथ । दलकीस’ खसल भवनसभस’ तोपाएल लोककेँ एवं मतृकसभके शव खोजी करब काज निरन्तर जारी छै ।
एहि तरहें सरियामे दलकीस’ मरएबालाकेँ संख्या हालधैर ३ हजार ४२ पुंगल छै । से जनतब सिरियाली स्वास्थ्य मन्त्रालय सार्वजनिक कएने तथ्यांकस’ बुझएमे आबैत छै ।
अत्याधिक जाड़-ठाढ़के मौसमबीच आएल ७.८रेक्टरस्केलके दलकीस’ लोक भागहु नइ सकल आ आकास छुबैत महामहा बेल्डिङ्ग खहैरक भूमि धलेलक । जाहिमे सार्वाधिक मानवीय एवं भौतिक क्षति भेल छै । रातिके समय रहने उद्धार आ राहत कार्यमे समय लागल ।
शब खोजी एवं सहायता करएबाला संस्थासभ लागल छै मुदा भग्नावशेषमे लोकके जीवित भेटब सम्भावना क्षिन्न छै । तौ मरबालाके संख्या बीसो हजारस’ उपर भसकैए तेहनो अनुमान कएलगेल छै ।
सिरीया एवं टर्की दूनु देशके दलकी प्रभावित क्षेत्रमे हजारौं लोक सम्पर्कविहीन भेल छै । पाँच दर्जनस’ अधिक देश अपन-अपन सैनिक आ राहत बचाउ दल टर्कीमे पठौने छै । मुदा अधिक कन्नकन्नी-धरधर्रीबाला जाढ़केँ कारण राहत उद्धार कार्यमे कठिनाइ भरहल छै ।
स्थानीय समयअनुसार सोमदिन भिन्सरबामे ४ बाइजक १७ मिनटमे टर्कीके दक्षिणी शहर गाजियान्तेप लगमे केन्द्रविन्दु बनाक ७.८ म्याग्नेच्युडके बड़का दलकी आएल छल । तेकराबाद एकलहैत दर्जनौंबेरदलकीके झटका(परकम्पन)सभ आबैत रहल ।
जाहि मध्ये दोबारा ७.७ म्याग्नेच्युडके दलकी सेहो आएल आ फेर तबाही मचौलक । दलकीके केन्द्रबिन्दु टर्की सीमालगमे रहलास’ सिरियामे सेहो दलकीस’ व्यापक क्षत्री भेल छै । सिरियाके दलकी प्रभावित सबटाक्षेत्रमे सरकारके नियन्त्रण नइ छै ।
उत्तरी सिरियामे भूकम्प प्रभावित क्षेत्र मादे किछुराज्य नियन्त्रितक्षेत्र छै । किछुक्षेत्र टर्की अधिपत्यमे पड़ैत छै । संगेसंग सिरियाके किछु क्षेत्रमा विद्रोहीसभकेँ कब्जाबाला क्षेत्र सामेल छै ।
गृहयुद्धस’ क्षतविक्षत भेल सिरियामे दलकीके दल्ल राज्यके हल्लक सुखादेने छै । सर्वसाधारण पर दु्खःक मोटरी बन्हाएल छै ।
युरोपीय प्रवेशव्दार टर्कीमे विगत-२५ वर्षमे दोसरकाबेर पैघ दलकीके सामना करए पड़ल छै ।
एहिस’ पहिने सन् १९९९ मे टर्कीके राजधानी इस्तानबुल लगिचमे केन्द्रविन्दु बनाके ७.६ म्याग्नेच्युडके दलकी आएल छल । जाहि दलकीमे पैरक १८ हजार जतेक लोककेँ मृत्यु भेल छल ।
एहिबेरके ६ फरवरी सन् २०२३के दलकीमे २० हजारस’ बेसी टर्कीस् नागरीकके मरल होबके सम्भावना व्यक्त कएल जारहल छै । सिरीयाके सम्बन्धमे खासे क्षति आ मृत्युके जानकारी भक्षेत्रस’ नइ आइब रहल छै सेहो जनतब अन्तराष्ट्रिय विभिन्न समाचार एजेन्सीसभ जनौने छै ।
प्रतिक्रिया