सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । आइ ईश्वी सम्वत् २०२२ के पहिल दिन, अइ अवसर पर नववर्ष मनाबबला लोक हमरोसभकेँ देशमे छै । लोक जतेक जोश जागरस’ पहिल जनवरीके नववर्ष मनबैए ततबे अइ दिवसमे अपन होस सेहो हेराबैत छै ।
जकर परिणति घातको होइत छै । टटका उदाहरण आइए शनिदिन, दिनमे अढ़ाइ बजे जनवरीकेँ खानपीनके नीशामे एकटा मोटर साइकिल सवार जीपके ठोइकक घाहिल भेल छै ।
घाहिल युवाकेँ तत्काल लगमे रहल रामा रिसर्च सेन्टर अस्पतालमे उपचार लेल लजाओल गेल । अस्पतालस’ भेटल जनतब अनुसार पयरमे चोट लागल आओर सम्पूर्ण अङ्ग निक रहल,चेक-चाक भरहल छै ।
जनकपुरधाम मुजेलिया डिभिजन सड़क कार्यालय लगिचमे बा १० प २१८९ नम्बरके अपाची मोटर साइकिल सबार २५ वर्षक युवा जीपकेँ ठोइक देलक मुदा दोष जीप चालक पर गढ़ब युक्ति भेल छै , प्रत्यक्ष दर्शीसभकेँ कहब छल ।
प्रायः छोटका गाड़ी आ पैघ गाड़ीबीच कोनो घटना भेला पर दोस बड़के गाड़ी बालाके देल जाइत छै अहुअ तेहने किछु भेल बुझाएल । ठाकराएल मोटर साइकिल मुदा दोस जीपबाला पर ! जीप मुजेलिया प्रहरी अपन नियन्त्रणमे लेने छै ।
मुजेलिया प्रहरी स्वयं मापसे चेक कएने छै मोसा चालक मादक पदार्थ लेने ठहरल छै । तथापि चैरचकियाबाला फेरीमे परलाह । तेकर एकटा ओजह इहो छै मुजेलिया स्थित शसस्त्र सीमा सुरक्षा बल (शसस्त्रप्रहरी) क्याम्पमे कार्यरत् रहल युवक छै ।
घाहिल युवकके नाम साजन अधिकारी बताओल गेल । हुनक स्वास्थ्य अवस्था समान्य छै आ दाहिन पयरमे चोट लागल बात स्वयं ओ लरबराइत स्वरे सीमाञ्चल समदिया समक्ष बाजल ।
प्रतिक्रिया