मेयर साहके बात इन्द्रदेव सुनलक

इन्द्र पुजनस्थलमे मेयर साहव्दारा इन्द्र भवन उद्घाटन

२०८० आश्विन १३, शनिबार १७:५६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 46
    Shares

जनकपुरधाम । आर्य-सभ्यताके नवकेन्द्र मिथिलाके प्राचीन राजधानी जनकपुधाममे इन्द्र पुजनस्थल पर नव निर्मित इन्द्र भवनके उद्घाटनसंगे एहिबेर पुजा-मेला आरम्भ भेल छै ।

 

नवनिर्मित भवनके उद्घाटन प्रमुख अतिथिके रुपमे जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाके मेयर मनोजकुमार साह कएलाह । ओहिसंगे एहिबेरुका इन्द्र पुजा-मेला आरम्भ भेल । मेला आगाामी दश दिनधैर चलत ।

 

जनकपुरधाम धनुषापथ मिल्सएरिया अवस्थित रेल्वेचाट दिश संगे इन्द्र्र भवन बनाओल गेल छै । दश दिन भितरमे स्थानीय प्रहरी प्रशासनीक क्षेत्रके लोकके सहयोग एवं जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका समेतके लगानीमे भवन तयार कएलगेल छै । जेकर प्रमुख श्रेय क्रान्तिकारी पत्रकार एवं सामाजिक अभियन्ता मनोज साहके देलगेल छै ।

 

तत्काल आठ लाखके लागतमे इन्द्र भवन बनाओलगेल छै । जे जगह सार्वजनिक छल आ एतुका नामी धनाठ्य समाजसेवीके सन्तती कब्जा जमौने छल । ओहि बिवादित जग्गह पर भवन ठाढ़ क’क’ पत्रकार साह सुरखुरु बनलाह । जेकर प्रशंसा स्वयं प्रमुख अतिथि मेयर साह सेहो कएलाह ।

 

simanchal
पानसमे दीपलेशक’ फिता काइटक’ इन्द्र भवनके उद्घाटन मेयर साह photo simanchal

 

अपन धारना ब्यक्त करैत मेयर साह रेल्वे स्टेशनके जग्गह खाली कराएब । एतुका खुदरा ब्यापारिक बजार इन्द्र भवनके आगुके जग्गह जे २३ कठ्ठास’बेसी छै ओतहि व्यवस्थित तरकारी बजार उपमहानपा मादे बनाओल जाएत ओ उद्घोष सेहो मेयर साह कएलाह ।

 

एहिबेर बरसा नइ भेलास’ रौदी परल छै । ओहिस’ बचाब आ कृषि उत्पादन लेल बिसपीटी, ओसरा, लोहना दिस बान्ह बनाक जलके रोकब ब्यवस्था क’क’ कृषि उत्पादनमे सहयोग करब हेतु काज कएलगेल छै । तथापि गमी-रौदस’ लोक तबाह फिरसान छै ।

 

प्रकृतिक एहि असहनीय उष्णतास’ जलके देवता इन्द्र हमरासभकेँ संकट मुक्त करो ! वर्षा वर्षबो आ जनकपुरधामवासीके राहत प्रदान करथुन से कामना इन्द्रदेवस’ करैत छी, मेयर साह अपन सम्बोधनमे कहने छलाह ।

 

अपन सम्बोधनमे देवतासभकेँ देवता स्वर्गके राजा इन्द्रकेँ शास्त्र पुराणमे वर्षाके देवता समेत मानलगेल छै । जनकपुरधामवासीके अत्यधिक गर्मीस’ समेत राहत देल जाय,प्रार्थना करैत छी, हे इन्द्र देव ! कहि सुमिरण करैत प्रमुख अतिथि युवा मेयर साह अपन सम्बोधन पुर्ण कएने छलाह ।

 

शुक्रदिन रातिमे आठ बजे कार्यक्रममे ईन्द्रदेवस’ प्रार्थणा कएलाह आ बारह घण्टा पछाइत आइ शनिदिन प्रकृति प्रशन्न भेल इन्द्र देव जोरगर चोटगर नइ मुदा झरीएके रुपमे वर्षा वर्षाक मेयर साहके भावना पुरा कए देलाह ।

 

वर्षछिट्टास’ वातावरण शीतलमय बनल,रौद गायब आ झर्री पैर रहल छै । हब्बा सेहो बैह रहल छै जाहिस’उष्ण्ता दूर भागल आ लोकजनकेँ शीतलतास’ मोन हर्षित भेल छै । जाहिस’ हुनक भाषण सुनबैयासभ कहैत छैथ मेयर साहकेँ करुणा इन्द्र देव सुइन लेलखिन !

 

मिल्सएरियामे २०२३ सालस’ इन्द्र पुजनोत्सव भव्यताक संग मनाबके काज होइत आएल छै । एहि पुजन मादे समाजके सर्ववर्ग, सबधर्मबीच एकता सामजस्यता कायम करब कराएब । आपसमे व्यमनस्यता एक दोसरबीच नइ होब देब एहन युक्तिसंग हमरसभकेँ पुर्वज काज करैत आएल छलाह ।

 

ताहिके निरन्तरता देबके काज हमहुँसभ करैत रहब, ओहन बचनबद्धता समाज सुधारक क्रान्तिकारी पत्रकार मनोज साह अपन धारणा राखैत ब्यक्त कएलाह ।

 

एहिमे केओ मोन छोट नइ करी से आग्रह करैत क्रान्तिकारी पत्रकार साह किछु कहबैका सार्वजनिक स्थानके अपन वीरता बुझ लागल छल ओ सम्हैरक रहो भगवानके देल जग्गह भगवानमे नाममे रह देल जाए, ओहिमे भलाइ छै । एहिमे बइमानीकर्ता त’कतहुके नइ रहता तेहन र्चैतौनी सेहो अपन सम्बोधनमे ओ देलाह ।

 

इन्द्र पुजा समिति जनकपुरधाम मिल्सएरियाके अध्यक्ष रामचन्द्र साह, बिशिष्ठ अतिथि धनुषाके सिडियो चक्रपाणी पाण्डे, नेपाल प्रहरीके एसपी बिश्वराज खड्का, सशस्त्र प्रहरीके एसपी दिनेश मल्ल सहितके गणमान्य लोक कार्यक्रममे सामेल छलाह ।

 

कार्यक्रम किशोरी साहके अध्यक्षतामे भेल । स्वागत गान सहित मधुर गीत गायनस’ कार्यक्रमके शोभायमान सुन्दर कौशल्या ठाकुर बनौलीह ।
समितिके सचिव मोहन साह, कोषाध्यक्ष मोती ठाकुर, सदस्य महादेव साह, दिनेश साह आदिके बेस सक्रियता देखल गेल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया