मेयर पजियारकेँ कोरोना पोजेटीव भेने अन्यलोक अदक स’ दबक लागल

२०७७ भाद्र १, सोमबार १३:२९
सीमाञ्चल समदिया

  • 16
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
कोबिड–१९ ‘कोरोना’ महामारीकेँ अदकस’ लोक आब अपन घर दुवारमे सीमित भरहल छै । समाजमे बहुतलोक अटेरियो करैत देखाइत छल । मुदा गाम समाजक प्रतिष्ठित, भद्र, कहबैका लोक सेहो कारोना पोजेटिव भेला पर ओकर अदकस’ अन्यलोक आब अदकस’ दबक लागल छै ।

धनुषा क्षिरेश्वरनाथ नगरपालिकाकेँ मेयर योगेन्द्र पजियार कोरोना पोजेटीव भेलास’ ओ होम कोरेनटाइनमे छैथ । हुनक शिघ्र स्वास्थ्य लाभक कामना नगरवासी एवं शुभचिन्तक सभ कएरहल छै । मेयर पजियारकेँ कोरोना भगेलै ई बात नगरवासी जनला पर नगरबासीमे एकतरहक अदक सन्हिागेल छै । सखुवा महेन्द्रनगर बजार व्यवसाय बन्द करौलो पर नइ पुरापुरी बन्न होइत छल । मेयर पजियारकेँ कोरोना पोजेटिव भेने लोक आपरुप सावधानी अपनाबैत बन्दा–बन्दीके पूर्ण पालन करए लागल छै । अइक्षेत्रक सभस’ पुरान आ पैघबजार सखुवाबजार शनिदिन नइ लागल । महेन्द्रनगरमे सोम शुक्रक लागबाला हाट सेहो बन्द रहल ।

सोमदिन सीमाञ्चल समदिया महेन्द्रनगरकेँ स्थलगत निरक्षण हेतु पुंगला पर महेन्द्रनगर बजार पुरापुरी बन्द देखल गेल । ‘‘ स्थानीय सरकार प्रमुख जखन रोगी भगेल त’ आम जनताकेँ कि हाल होएत ! ई सन्देश आमजनतामे साकारात्मक रुपमे गेल छै । लोक सचेतता अपना रहल छै । बचाव मात्र अखनु उपाय छै, सेहे लोक करहल छै’’ महेन्द्रनगर सिन्धुली टोल रहनिहार दिपक काप्ले बतौलाह ।

‘‘ कोरोना महामारीकेँ ओजहस’ एकलहैतकेँ बन्दाबन्दीमे व्यापार व्यवसाय अहुना मन्दा छै । दोकान–दौरी खोलोक’ कि होएत ! लोक आब आपरुप बजारमे नइ आइब रहल छै । जान रहत, प्राण बाँचत, तखने संगरो समाज आ संसार देखब । ई बोध क’क’ लोक आब अनेरे सड़क पर नइ बहरा रहल छै’’ क्षीनपा २ निवासी रामा शंकर सीमाञ्चल समदिया संग गपसप करैत बतौलक । मध्यमवर्ग आ निचका तप्काकेँ लोककेँ अधिक फिरसानी छै । जकर फिरसानी देखबाला केओ नइ ! सेहो धारना ओ रखलाह । बितल फागुन महिनाके ११गतेस’ कोरोना महामारीक कारण देशमे ‘लकडाउन’ शुरु भेल । तथापि लोक ओतेक नइ डेराएल आ एक तरहें बेपरवाह बनल रहल ।

राज्य सञ्चालनकर्तासभ सेहो समय पर सही व्यवस्थापन नइ कएलक । तैँ सर्वसाधारण जनताकेँ निराशा बाहेक किछु नइ हाल धैर भेट सकल छै । धनुषा जिलामे एकहस्ताहस’ स्थनीय प्रशासनद्वारा जनकपुरधाम आ महेन्द्रनगर नगरपालिकाक्षेत्रमे कपू लगौने छल । लगाओल जारहल निषेधाज्ञा रबि दिनस’ धनुषा जिला भैरमे एकसप्ताह लेल पुनः जारी कएलगेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
By-simanchal.com
गर्मीस’ राहत एवं प्राणवायुलेल वन-जीवन जोगाउ
२०७९ श्रावण २३, सोमबार १४:०४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
तराइमे वर्षा वरसल कन्न-कन्नी बढ़ल,पहाड़मे वर्फ खसल
२०७८ पुष १४, बुधबार १७:४१
सीमाञ्चल समदिया
खजुरी गाममे सफाइ-सुथरता पर जोड़
२०७८ आश्विन ९, शनिबार १८:१४
सीमाञ्चल समदिया
हिमवत्-खण्ड भारतवर्षमे नागपुजन परम्परा एवं नागवंश
२०७८ श्रावण २९, शुक्रबार १२:५७
सीमाञ्चल समदिया
सतोषर पोखरिमे डूइबक एकटा बालिका मरल
२०७८ जेष्ठ ८, शनिबार ११:३६
सीमाञ्चल समदिया