मेयर घरपर आक्रमणी घटना,दोषीपर नकेल कसके मांग उठल

२०७७ कार्तिक १७, सोमबार ०४:०६
सीमाञ्चल समदिया

  • 59
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मटिहानी नगरपालिकाके मेयर घरपर कएलगेल संघातिक आक्रमणी घटनामे सामेल लोक पर कानुन सम्मत कार्यवाही लेल नकेल कसल जाए, मटिहानी नगरपालिकाद्वारा मांग कएलगेल छै ।

‘‘ मिति २०७७ साल कातिक-१०गतेके रातिमे १२ बजेके ओनपोनमे मटिहानी नगरपालिका वार्ड नं.८ निवासी जय कुमार मण्डलएवं विजय चौधरी सहित किछु विचलितमानसिकताके लोक एवं गुण्डा प्रबृतिके ब्यक्तिसबहक समूह मटिहानी नगरपालिका प्रमुख हरिप्रसाद मण्डलकेँ घरमे आक्रमण कएलक ; हत्या हिंसा लुटपाट करब मनसायस’ संघातिक आक्रमण कएलगेल’’ प्रति मेयर मण्डल सम्बन्धितसभकेँ ध्यानाकर्षण करबैत कार्यवाहीके मांग विज्ञप्ती मादे कएलाह ।

गत विगत वर्ष जकाँ अहूबेर भव्यतापूर्वक हिन्दु धर्मावलम्बी सबहक महानपर्व दशैंके अवसर पर आयोजित दुर्गा भवानीके पुजनोत्सव कएल गेल छल । मटिहानीमे विगत ४८ वर्षके पुजन इतिहासमे एहन नइ भेल छल तेहन रबैया उल्लेखित व्यक्तिसभ कएलक ओ आरोप मेयर मण्डलद्वारा जारी विज्ञप्तिके आश्य रहल छै ।

शक्ति स्वरुपा माता दुर्गा भगवतीके हर्षोउल्लाससंग मनाओल जारहल सांस्कृतिक एकत आ आपसी सद्भावके पवोत्सवमे सामाजिक सद्भाव बिगारब उद्देश्यस’ उल्लेखित चौधरीद्वय दुर्गा मन्दिरमे भितर प्रवेश क’क’ तोड़फोड़ कएलक । संगेसंग मटिहानी वार्ड नं.७ निवासी विरेन्द्र मण्डल, दिलिप महरा सहित दुर्गापुजा समितिके सदस्यसभकेँ समेत गाइर फैज्जत कएलक । घरेलु धरगर अस्त्र प्रहार कए मारैत मारैत अधमौगत कदेलक । अइ तरहके अपराधिक अमर्यादित कृयाकलापप्रति घोर भत्सर्सना करैत एहनकायएकएनिहार प्रति कार्यवाहीके मांग सेहो प्रेसविज्ञप्तिमे कएलगेल छै ।

‘‘ बेरबेर अइ तरहके घटना होइत आएल छै । निर्वाचित जनप्रतिनिधिसभप्रतिके सुरक्षा व्यवस्थाप्रति गम्भिर प्रश्न उक्त घटनास’ फेर एकबेर उठल छै । मटिहानी घटनाके सत्यतथ्य नइ बुइझक एकपक्षियरुपमे किछु राजनीतिक दलके प्रतिनिधि नगर प्रमुख मण्डलके चरित्र हत्या करब मनसायस’ विज्ञप्ति जारी कएलक ओहो प्रति हमर ध्यानाकर्षण भेल । जे विज्ञप्ति प्रति हमर पुरापुरी आपत्ति छै,’’ मेयर मण्डल कहने छैथ । कोनो समस्याके सामाधान हिंसा,अराजकता, मारापीट्टी,धाक-धमकी देलास’ टेनामेनी कएलास’ नइ हुअ सकैए ।

विधि वार्ता एवं सम्वादके मादे मात्र सम्भव छै । अइ प्रति दृढ़रहैत अपराधिक क्रियाकलापमे संलग्न मटिहानी नपा वार्ड नं.८ निवासी जय कुमार चौधरी, विजय चौधरी, वार्ड नं.७ रहनिहार राजकिशोर मण्डल सहित सम्पूर्णकेँ तत्काल पकैरक कानुनी कार्यवाही कएल जाए  मेयर मण्डल मांग कएने छैथ ।

जसपाव्दारा जारी विज्ञप्ति !                                                       नेकाँव्दारा जारी विज्ञप्ति !

घटनामे सामेल रहल कहलगेल जयकुमार चौधरी नेपाली काँग्रेसस’ सम्बद्ध छैथ आ पूर्व गाविस अध्यक्ष रैह चुकल छैथ । ततै विजय चौधरी सत्ताधारी दल नेकपास’ सम्बद्ध छैथ । चौधरीद्वयके आपसमे भाय भैयारीके सम्बन्ध छै । घटना राजनीतिक दाउपेंचके घुरपेंचस भेल छै । जे सभ्य समाजक लेल किन्नहुँ नीक नइ मानल जासकैए ।

मेयर मण्डल सामेल रहल राजनीतिक दल जनता समाजवादी पार्टी सेहो विज्ञप्ति जारी कए दोषी पर कार्यवाहीके मांग कएने छल । जसपा जिला अध्यक्षद्वय रामप्रकाश यादव एवं नागेन्द्रप्रसाद यादवद्वारा जारी विज्ञप्तिमे मेयर मण्डलके विकासी काज देखक आहत भेल प्रतिपक्षाीसभ घिनमा घिनमी पर उतैर गेल छै जाहि प्रति खेद व्यक्त सेहो कएलगेल छै । अहि तरहें नेपाली काँग्रेस पार्टी महोत्तरी जिला सचिव शम्भुनारायण पाठक गत १३ गते विज्ञप्ति जारी कएने छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com
मिथिला चित्रकलाको विशेषता
२०७९ भाद्र ३०, बिहीबार २३:५९
सीमाञ्चल समदिया