मेयरलालके कारण नगर बेहाल, फोहर फेकक’ कएलक बिरोध

२०७८ कार्तिक १४, आईतवार १६:४२
सीमाञ्चल समदिया

  • 13
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम नगर सफाईप्रति चाँइख नइ रहला पर नगरमे यत्रतत्र छिटाएल, ढेरियाएल फोहर उठाक वार्ड अध्यक्षसभ मेयरके घर एवं कार्यालय आगु फोहर फेकक बिरोध कएलगेल छै । जनकपुरधामवासीकेँ आशा आ भरोस पर नगर पिता मेयर लालकिशोर साह सही नइ उतैर रहल छैथ । अपन मनपर्दीकेँ ओजहस’ बदनामी झेलैत वार्ड अध्यक्षसभस’ समेत प्रतारित होइत आएल छै जे आइयो भेल ।

दीयाबाती, छैठसन महापर्वके समय आइबगेल छै मुदा नगर सफाई पर नगर पालिकाकेँ कोनो चांइख नइ देखल जारहने स्वयं नगर पालिकाकेँ सजग सचेत वार्ड अध्यक्षसभ फोहर उठाक मेयरके घरके आगु एवं नगरपालिका कार्यालय आगा ठेरियाबके काज कएलक ।

जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं.४ सरंचीया कुट्टी लग मेयर लालकिशोर साह रहैत आएल घरके आगा फोहरसभ लजाक ढेरियाओल गेल । रइबदिन भिन्सरमे मेयर साहकेँ घर आगा फोहर जम्मा कएला पछाइत उपमहानगर पालिका कार्यालय आगा फोहर जम्मा करब हेतु ट्रेक्टर भैरक लजाओल गेल ।

नगर प्रमुख साह अपन निवास स्थान क्षेत्र चमकाक रखने छैथ । मुदा संउंसे जनकपुर कचरा भरहल छै । लोक हमरासभकेँ कहैए । वार्डके लोक आइबक सफाइ सुथरता कएल जाए ओ मांग करैए आ मेयर अपने काठमाण्डौमे मौज करहल छै । हमरासभकेँ सफाई कर्मचारी धैर नइ टेरैए बिना मेयरकेँ आदेशके सफाई नइ होएत ।

वार्ड नं.४के वार्ड अध्यक्ष जागरुक युवा नेत सुदर्शन सिंह अपन व्यथा सुनबैत बजलाह । बेर बेर लीखित मौखिक जनतब देला पछाइतो मेयर नगर सफाइ प्रति मतसुन बनल रहल । हमसभ बाध्य भ’क’ एहन सिम्बोलिक आन्दोलन शुरु कएने छी । सेहो वार्ड अध्यक्ष सिंह बतौलाह ।

वार्ड नं.७के वार्ड अध्यक्ष जानकी राम साह सेहो मेयरके कार्यशैली आ हैकमप्रबृतिस’ हमसभ जनता समक्ष दुर जरु भरहल छी । आब अन्तिम उपाय एहे सुझल छै । तैँ ठाम ठामकेँ फोहर उठाक नगरपिताकेँ घर अगा राइख देलीऐ । आब कार्यालय आगा राख ब काज कए रहल छी ’’ सीमाञ्चल समदिया संग बतौलाह ।

उपमहानगरपालिका आगा फोहरस’ भरल ट्रेक्टर लजारहल बेरमे प्रहरीआइब थोर थम कएलका पर ब्यापार संघ आगा स्टेशन रोडमे ट्रेक्टर खाड़ क’क’ बाट अबरुद्ध करब काज घण्टौ भेल ।

तेकराबाद उपमहानपाके निमिति हाकिम मीहीलाल यादव आइबक तोक भरोस आ सफाइ सुथरता पर्वस’ पहिने कराएब भरोस दियौला पर वार्ड अध्यक्षसभ अपन तात्कालीक आन्दोलन घुरता लेने बुझएमे आएल ।

वार्डनं.१के वार्ड अध्यक्ष शत्रुधन साह, वार्ड नं.३के वार्ड अध्यक्ष दीपेन्द्र साह, वार्ड नं.१०के वार्ड अध्यक्ष मिथिलेशलाल कणर् सहितके जन प्रतिनिधि सरसफाई करब कराबस’ पाछा हटैत जारहल मेयर साहकेँ दुरजरु शब्द छेदन करैत बिरोधमे तरल छलाह । जे जनताके बेसी सोहनता भेल छल । सभ मेयर साहके धिक्कार धिक्कार कहैत फोहरोस’ फोहर शब्दकहि गडि़या रहल छल ।

राजनीतिक सुझबूझबाला, लोकतान्त्रिक आन्दोलनके योगदानी, प्रजातन्त्रकेलेल जेलनेल भोगलरहने जाहि हुलसास’ लोक लालकिशोर साहकेँ मेयर चुनलक ओहि पर ओ इन्होर हेराबके काज करैत आएल छै ।

कार्यालयस’ ल’क’ नगरक्षेत्रमे सरसफाई समेतकेँ बेहालीअवस्थामे आइनक राइ देने छै । तेहन आरोपसभ समेत लगैत अएला बादो मेयर साह जनअपेक्षित काज करब सांती अपन दाउ सुतारमे मात्र चाँइख राखैत आएल छै ।   सम्पूर्णचित्रःनागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जसपा नेपालके संसदीय दलके नेता चयन
२०७९ पुष २५, सोमबार १६:०२
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal
भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत
२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया