मेयरके उपस्थितीमे उपमेयरव्दारा शिलान्यास

जनकपुरधाम महावीरचौकमे आधारभूत स्वास्थ्य केन्द्र

२०७९ श्रावण २७, शुक्रबार १२:१३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 48
    Shares

 

simanchal.com
जनकपुरधाम महावीरचौकमे स्वास्थ्य भवन निर्माणलेल शिलान्यास करैत उपमेयर किशोरी साह । संगमे वार्ड नं.५ के वार्डअध्यक्ष बेचन साह, वार्डसदस्य राजा भगत एवं वार्डनं.२५के वार्डअध्यक्ष चन्देश्वर साह ।

 

जनकपुरधाम । आधार भूत स्वास्थ्य केन्द्र निर्माण हेतु जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.५मे शिलान्यास कएलगेल छै । जनकपुरधाम उपमहानपाकेँ उपप्रमुख किशोरी साह हस्ते शिलान्यास काज अखनु किछुकाल पहिने कएलगेल ।

 

शिलान्यास काजमे नगरप्रमुख मनोजकुमार साह सामेल छलाह । तथापि उपमेयर वधि विधानपूर्व शिलान्यास विशेष अतिथि रुपमे कएलाह । वार्ड नं.५के वार्डअध्यक्ष बेचन साहके सभापतित्वमे स्वास्थ्य केन्द्र निर्माण काज एक समारोहबीच कएलगेल छै । पाँच धूर एक कन्हमा क्षेत्रफलमे तिन तल्लाके भवन निर्माण कएल जाएत से जनतब कार्यक्रममे देल गेल ।

 

स्वास्थ्यमन्त्री उपेन्द्र यादव रहल बेरमे प्रतेक वार्डमे आधार भूत स्वास्थ्य केन्द्रके नीति आनल गेल छल । ओहि अन्तर्गत जनकपुरधाममे सेहो ११ टा वार्डमे आधार भूत स्वास्थ्य केन्द्र स्थापना करब बजेट आ नीति निर्देशन आएल छल ओ जनतब उपमहानपाके बरिष्ठ ईन्जिनियर बीरेन्द्रकुमार यादव देलाह ।

 

११ वार्ड मादे पाँचटा वार्डमे आधारभूत स्वास्थ्य केन्द्र निर्माण भचुकल छै । दू टामे ९० प्रतिशत निर्माण काज पुरा भेल छै । ५ टामे निर्माण करब काज बांकी छै । जाहि मादे आइ वार्ड नं.५मे स्थानीयवासीसभके सहभागितामे शीलान्यास काज भेल छै ।

 

वार्ड नं.१२, १३, १४, १५, १९मे आधारभूत स्वास्थ्य केन्द्र निर्माण पुरा भेल छै । वार्ड नं.२३ आ २४मे निर्माण काज ९० प्रतिशत पुरा भगेल छै । एगारहटा आधारभूत स्वास्थ्य केन्द्र के सरकारी बजेट साढ़े ४ करोड़ रहल छै ।

simanchal.com
जनकपुरधाम वार्ड नं.५मे आधारभूत स्वास्थ्य केन्द्र निर्माण हेतु शिलान्यास कएलगेल । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल

 

वार्ड नं.५मे सउंसे नगरस’ देखनहुत स्वास्थ्य केन्द्र बनाओल जाएत जाहिमे व्यय होबबाला आओर रकम उपमहानपा खर्चत ओ जनतब उपमेयर किशोरी साह देलाह ।
शिलान्यास समारेहमे वार्ड नं.५के वार्डअध्यक्ष बेचन साह सहित वार्ड सदस्यसभ शैलकुमारी देवी साह, राजा भगत आदि सामेल छल ।

 

तहिना वार्ड नं.६के वार्डअध्यक्ष दिनेश साह, वार्ड नं.७के वार्डअध्यक्ष निरज साह मुन्ना, वार्ड नं.९के परमेश्वर साह, १३के जीतबहादुर राउत, १६के रामचन्द्र पजियार, २५के चन्देश्वर साह सहितके जनप्रतिनिधि एवं जितेन्द्र साह, प्रमोद चौधरी, राजकुमार साह जेहन समाजके लोकसभके उपस्थिती समेत छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
कैंसररोगीके नयांजीवन हेतु नवजीवन सेन्टर सञ्चालनमे अनलक
२०८० श्रावण ६, शनिबार १८:३३
सीमाञ्चल समदिया
नीक होबबाला क्षयरोगःचेतनाके अभावमे हजारो मरैत
२०७९ चैत्र १०, शुक्रबार २२:१५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
डा.यादव कएलाह बर्थिङ्ग सेन्टर एवं विद्यालय भवन शिलान्यास
२०७९ भाद्र २२, बुधबार ००:१४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
धनुषाके बेल्हीमे फिल्टराइज पानिटंकी निर्माण
२०७९ भाद्र २१, मंगलवार १२:०२
सीमाञ्चल समदिया
स्वच्छजल आपूर्ति एवं निकास पर नगरप्रमुख साह कएलाह छलफल
२०७९ असार १२, आईतवार १७:४९
सीमाञ्चल समदिया