सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । सिरहा जिलाके नवराजपुर गाउँ पालिका वार्ड नं.५ कुसन्डी गाममे ४५ वर्षीया महिला मूर्तिदेवी यादबकेँ डाइनके आरोप लगबैत प्रतारित कएलगेल छै । डायनके आरोपमे मानव मलमूत्र समेत खुआक प्रतारित कएल गेल छै । संगेसंग गत्तर तोइरक मारल पीटल गेल खबर भेटल ।
स्थानीय धर्मनाथ यादव, हुनक बेटा सन्तोष यादव, पशुपति यादव एवं महिलाके परोसेमे रहैत बसैत आएल देवनाथ यादव, कृष्ण यादव आ ब्रह्म यादव सहित एकटा मानवीय अहितकारी समुह मूर्तिकेँ माइर-पीट करैत गूँह-मूत पीयाब जेहन घृर्णित काज कएलक । पीडि़ताके बेटा गणेश यादव पत्रकारसभकेँ जनतब देने छै ।
गाममे एकटा बच्चा बेमार भेल , दोसर एकगोटेके उपर ठनका गिरलास’ मृत्यु भगेल । तकर दोष मूर्तिदेवी पर लगाओल गेल । मूर्ति डायन छै ओहे टोटमा कदेलकै तै एना भेल कहैत किछु गोटे फसांद कएलक ।
मायके उपचार लेल अस्पतालमे रेखदेखमे रहल बेटा गणेश बाजल—‘‘ राइतक १२ बजे ओसभ आएल आ एकाएक घरमे घुइसक कहां हौउ, डनियां निकाल बहार कर…..’! कहैत मूर्तिदेवीके सडक पर लाइबक अधमरु बनाक पीटलक । बादमे खेतमे लजाक गूँहमूत पीयाक ओतहि फेकक ओसभ भागल । घटना बितल भादव-२८ गतेके छै । प्रहरी एहन घटना सम्बन्धमे उजुरी नइ आएल बतौने छै ।
अइ घटनाके गामेमे मीलापत्र कराबके चक्करमे समाजक अगुवासभ लागल छल । महिलाकेँ उपचार लहानमे भरहल छल । ओतह उपचार सम्भव नइ भेला पछाइत धरान रेफर कएल गेला पर बात बहराएल छै । माइरपीटस’ महिलाकेँ स्वास्थ अवस्था गम्भिर बनल छै ।
प्रतिक्रिया