मुठ्ठीभरलोकके छिट्टीभर लोकपर अखनो शासन छै,संगठीत युवा मात्र परिवर्तन आन सकैए-संसद अरगडि़या

२०७७ कार्तिक १२, बुधबार १५:४५
सीमाञ्चल समदिया

  • 495
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । ‘‘ संगठीत भ’ क’ युवासबके चललास’ देशहित आ जनहितकारी काजमे सफल्ता प्राप्त हुअ सकैए । बर्तमान परिवेश एहन बैनगेल छै युवासभ कुलतके सिकार अधिक भरहल छै । अइस’ एक-दोसरके बचाब होएत एवं सांगठनीक शक्ति मादे युवासभ अपन बात कहके सीखत आ सीखौबौ करत ’’ ! धनुषाक्षेत्र नं.२के संघीय संसद उमाशंकर अरगडि़या उल्लेखित बात कहलाह ।

अपन क्षेत्रके युवासबके मादे कायम भेल संगठन ‘नूरी युवा कल्ब’के स्थापना अवसर पर आयोजित कार्यक्रममे संसद अरगडि़या प्रमुख अतिथिके रुपमे सामेल छलाह । हँसपुर नगर पालिकाके वार्ड नं.३ स्थित मणिपट्टीमे नूरी क्लबद्वारा दीयाबाती, छैठ एवं पैगम्बर मोहम्मद पुण्यतिथिके अवसर शुभकामना आदान-प्रदान कार्यक्रम बृहस्पति दिन दुपहरियामे कएलगेल । ‘‘ युवासब अपन बात अपन संगी साथीयो संग खुइलक नइ कपाबैत छै । एतेह दूरी अपने अपनामे भरहल छै । स्वयंसेवी संस्था कल्ब-कमिटी एक-दोसरकेँ लग आनबमे सहायक होएत । समाजमे सुुधारात्मक कार्यप्रणालीके विकास करत’’ ओहो अपेक्षा संसद अरगडि़या अपन सम्बोधन क्रममे कएलाह ।

‘‘ युवासबके मादे मोनके भार हल्लुक करके गुण आनो लोक सीखत । अपन ब्यक्तित्व विकास करब लुइर बुद्धि सीखत ओइलेल संगठीत युवा जमात होएब आवश्यक छै । युवासभकेँ कुलतमे सन्हियास’ बचाब लेल पढ़ाइ लीखाइके संगेसंग खेलक्षेत्रमे युवासभकेँ लागब आ लगाएब आवश्यक छै । अइस’ मान, सम्मान आ पहिचान भेटत संगेसंगे उचित दाम सेहो । स्वास्थ्य निक रहत । स्वास्थ ठीक रहत बेमार कम परब आ खर्च कम होएत, धन सञ्चयमे सहयोगी बनत, देशकेँ उसासी काजमे सहयोगी बनब’’ सेहो तर्क संसद अरगडि़या देलाह ।

जनता समाजवादी पार्टीके केन्द्रिय सदस्य समेत रहल नेता अरगडि़या राजनीतिक प्रसंगके चर्चा करैत नेपाली काँग्रेस समाजवादके नाम पर, कम्युनिष्ट साम्यवादके नाम पर जनताके भ्रमित करैत, वर्षोवर्षस’लुटैत आएल छै । मधेशीके पहिचान, अधिकार,मान-सम्मानके सवाल पर सभ खश अहंकारी एक भजाइत छै । तेकर उदाहरणमे नागरिकता बिधेयकके लेल जाए कहलाह । नागरिकता बिधेयक मधेशीके मान सम्मान एवं अधिकारस’ जुड़ल रहने ओइके पास नइ करैत छै,कहलाह । मुदा हमसभ सरकारकेँ नाकोदम कदेबै, ओ पास करबाका छोड़बै ! सेहो भरोस संघीय संसद नेता अरगडि़या देलाह ।

नूरी युवा कल्वके अध्यक्ष अहमद नदाफके सभापतित्वमे कार्यक्रम भेल । मणिपट्टी गाम स्थित ‘रिजबिया मदरसा नूरी’के प्राङ्गनमे कार्यक्रम आयोजन कएलगेल । जाहिमे बिशेष अतिथिके रुपमे प्रदेश संसद रामआशिष यादव अपन धारना राखैत तीनटा विषय पर केन्द्रि विचार व्यक्त कएलाह । समाजिक संघ संस्थाके काम कर्तव्य एवं युवासभकेँ समाज सुधारमुखी कार्यमे अधिक सहभागिता, देशके वर्तमान राजनीतिक घटनाक्रम एवं मधेश-प्रदेश-२के सरकारकेँ कामकाज बारेमे सर्वसाधारण जनताबीच अपन प्रष्ट धारना ओ रखलाह ।

‘‘ देशमे संघीयता आइब गेल छै । एकरा जोगौबो करत प्रदेश दू आ बढ़ैएबो करत प्रदेश २, तैँ अपनेसभ मोन छोट नइ कएल जाओ । प्रदेश सरकार आहाँके अप्पन सरकार छै , अपनेसभकेँ आशा भरोसाके सरकार छै । अपनेके आश भरोस पुरा करएमे लागल छै ।’’ संसद यादव कहलाह । संगेसंग किछु विवस्ता सेहो ओ दर्शौलाह ‘‘ कतहु नइ कतहु नीयम कानुन हमरा सभकेँ काज करएमे बाधित बनैत आएल छै । ओ बाधा दूर करब काज प्रदेश सरकार करैत आएल छै, मुदा संघीयता फेल करब लेल ओझरी एहन लागा देनै छै से समय लाइग जारहल छै ।

ओइमे संघीय सरकार अरङ्गा लगा दैत छै । सालमे तिन-चाइर बेर सचिव बदैल दैत छै । ले बलैया काज अहाँ की करबै । तेहन व्यथा ओ सुनौलाह । ‘‘ प्रदेश सरकार करौक त’ की करौक । ऐन कानुन बनाक बहुत राश देने छै दैत आएल छै मुदा संघीय संसदस’ पास क’क’ नइ दैत छै । एहन बहुत राश असुविधा छै ’’, तेहन उदाहरण संसद यादव देलाह ।

‘‘ सिडियो हमरासबके नइ टेरैत छै । प्रहरी हमरसबके बात नइ नइ मानै छै । किएक त’ ओ संघीय सरकारके अधिनमे छै ओ ओकर बात मानतै कि हम्मर ! प्रदेश अधिनमे अएतै तबन । तही दुवारे हमसभ आन्दोलनके मनस्थितीमे सदैब रहैत आएल छी । अपनहुँसब आन्दोलनके मनस्थिती बनाक राखु । एकर बाहेक कोनो बिकल्प नइ छै । खश अहंकारीसभ अहिना सुनबाला नइ छै । ओ अखनो राण-शाही, ताना-शाही राज्यव्यवस्थाकेँ बृतिके हिसाबस’ चलबमे लागल छै,’’ प्रदेश संसद यादव तर्क दैत कहलाह ।

कार्यक्रममे युवासभकेँ भावना अनुसार हँसपुर नगरपालिका युवा लक्षित कार्यक्रमसब करहल छै । हँसपुर नपाके मेयर रामज्ञान मण्डल अपन धारना राखैत कहलाह । ‘‘ युवाकेँ विकास लेल हरेक तहरके सहयोग आ आपसी सद्भाव कायम करब हेतु विकास निर्माणके संगे संग बौधिक विकास, सामाजिक जागरुकताके विकासमे नपा अग्रसर छै,’’ मेयर मण्डल कहलाह ।

युवाके एकिकृत क’क’ प्रदेश दूके हँसपुर नगरपालिकाके युवाजमात एहन तयार कराबके अभियानमे लागल छी जे देश विकासमे अग्रता कायम करए सकै । तेहन युवा लक्षित योजनाके नामसभ सेहो मेयर मण्डल गनौलाह । शिक्षामे परिवर्तन आवश्यक छै । अइके विना किछु हासिल नइ कएल जासकैए । समाजिक परिवर्तन लेल शिक्षित युवासभकेँ तयार करब आ समाज सुधारमुखी कार्यमे सक्रिय होएब ओकर बेसी आवश्यकता छै । हम ओही मुताविक कार्यके आगा बढाबमे समेत लागल छी,’’ मेयर मण्डल बतौलाह ।

कार्यक्रमे मुश्लिम महिलासभकेँ शिक्षित बनाक आन समुदायके महिला जकाँ आगा बढ़ाब लेल प्रेरित कएल जाय, सुझाब उपप्रमुख रेणु झा देलीह । संगेसंग संगठीत नूरी कल्बमे महिला दीदी बहिनके राखु ! महिला सहभागिता नइ रहत तखन नपास’ भेटबाला सहयोग प्रदान नइ होएत, दू टूक शब्दमे उपप्रमुख झा कहलीह ।

कार्यक्रममे जसपा केन्द्रियसदस्य सुरेन्द्र मण्डल-‘‘मदरसाके शिक्षास’ मात्र नइ होएत । आधुनिक शिक्षाक्षेत्रमे धीयापुताके लगाउ । मुश्लिम समुदायके लोकस’ विशेष आग्रह करैत मण्डल शिक्षाके आधुनिकताकेँ प्रकाशस’ बालिकासभकेँ आलोकित कराउ । महिला आरक्षण, दलित आरक्षण,अल्पसंख्यक आरक्षण कायम छै,ओइ योग्य अपन बेटी पुतहुके बनाएब तब नइ, समाजमे नवबिगुल फूकत,’’ सेहो तर्क ओ देलाह ।

कार्यक्रममे याकुव नदाफ ‘‘मानवता जिनकामे छै ओ असल मुसलमान छै । कहैत देशके सभस’ पुरान पार्टी हमरासबके ठकैत आएल । आब ठकायबाला नइ छी । तहि दुवारे अपन प्रदेशके अप्पन पार्टीमे घुसियाएल छी । अल्पसंख्यकके एहे जसपा उसासी पार्टी बनत मुश्लिम नेता नदाफ ओ अपेक्षा भाव व्यक्त कएलाह ।

ततै जसपा केन्द्रिय सदस्य इजराइल रिजवी अन्सारी अपन धारना राखैत-‘‘ हमर लिडर के हय, कत’ हय, कि करहल हय, ई सदैव ध्यान राख पड़त । तखने अहाँ अप्पन हक अधिकार आ हिस्सा समान रुपस’ लीअ सकैत छी’’ ! कहैत अपन समुदायके भक्क खोलैत सचेत रहब लेल आग्रह कएलाह ।

जसपा युवा नेता सञ्जय चौधरी-‘‘ संघीय लोकतान्त्रिक व्यवस्थामे सेहो मुठ्ठीभर खशबादी छिट्टीभर लोक पर शासन करैए । एहन राज्य व्यवस्थाके बिरुद्ध लड़हि परतै । नइ लड़ने ईसब सुन बुझबाला नइ छै आ नइ हक अधिकार बहाल कराबबाला छै,’’ से तर्क देलाह ।

तहिना जसपा सदस्य रमणकुमार सिंह अपन धारना राखैत कहला-‘‘ फूट डाइलक राज करब नीति छैहे । राणा, राजाके परास्त कएल गेल । मुदा आब ओकर दोसर रुपमे काँग्रेस, कम्युनिष्ट छै । ओहने निरंकूश, अइ दू्नुके परास्त करब जरुरी छै । तखने देश सुरक्षित रहत मधेशी सहित दमित, शोषित,पीडि़तकेँ अधिकार खुशहाली बहाली हुअ सकत’’ !

बलराम कापरद्वारा सञ्चालित कार्यक्रममे देवकृष्ण मण्डल, दिपेन्द्र कापर, समिम अन्सारी सहितक सहभागीसभ सेहो अपन-अपन धारना राखैत मुश्लिम समुदायकेद्वारा हिन्दु समुदायके महापर्व छैठ समेतके शुभकामना कार्यक्रम करब आपसी एकताके उत्कृष्ट उदाहरण प्रस्तुत नूरी युवा कल्ब कएलक ताहि हेतु प्रशंसा कएलाह । मधेशके शहिदसभकेँ तस्वीर पर माल्यार्पण कएलापछाइत कार्यक्रम शुरु कएल गेल छल ।                                         चित्र- उपेन्द्रभगत नागवंशी

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया