मिथिला बिहारी नपाव्दारा भूमिदाता एवं भवन निर्माणकर्ता सम्मानित,सामुदायिक भवन हस्तान्त्रण

२०७७ कार्तिक १९, बुधबार १७:२४
सीमाञ्चल समदिया

  • 50
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषाके मिथिलाबिहारी नगरपालिकाव्दारा भूमिदता एवं भवन निर्माणकर्ताकेँ विशेषरुपस’ सम्मान कएल गेल छै ।
अखनुका समयमे जतह लोक एक बित्ता जगह नइ छोड़ अथवा दिअ चाहैत छै । ततै समाजसेवी दानवीर राजकिशोर यादव भूमि दान एवं दानहा भूमिमे सार्वजनिक हित लेल भवन समेत निर्माण कराबके उदाहरनीय काज कएलाह ।

अइ नेक आ जनसहयोगी कार्य हेतु एक समारोहबीच नगर पालिकाके मेयर अनिलकुमार यादव बयोबृद्ध दानवीर यादवकेँ बुधदिन दोसल्ला ओढ़ाक सम्मानपत्र प्रदान करैत सम्मान कएलाह । मिथिला बिहारी नगरपालिका वार्ड नं.४ रमौल गाम निवासी भूमिदता एवं भवन निर्माणकर्ता यादव १० धूर जग्गह सार्वजनिक हितमे प्रयोग करब लेल दान देने छैथ ।

संगेसंग दान देल भूमिमे अपन खर्चमे सामुदायिक भवन समेत निर्माण कराक हस्तान्त्रण सेहो आइ करौलाह । मिबिनपाके मेयर अनिलकुमार यादवके प्रमुख आतिथ्यमे एव उपमेयर अनिता साहके विशिष्ठ आतिथ्यमे सम्मान कार्यक्रम एवं नवनिर्मित राजकिशोर यादव सामुदायिक भवनकेँ उद्घाटन आ भवन हस्तान्त्रण काज एकटा समारोहबीच भेल छै ।

अपन मनतव्य राखैत मेयर यादव समाजसेवी दानवीर राजकिशोर यादवकजरा रमौल प्रबिके मावि मे परिणत कराक बारह कक्षाधैर पुंगाबके सराहनीय काज कएने छैथ । गामके विकास लेल हिन योगदान महत्वपूर्ण छै । हमरे कार्यकालमे बहुतरास काज भेल तेकर सराहना सेहो मेयर यादव कएलाह । दानवीर यादव स्वास्थ्य केन्द्र सञ्चालन हेतु ५ कठ्ठा जग्गह सेहो दान देने छैथ । बिद्यालयमे सरस्वती मन्दिर एवं पुस्तकालय भवन निर्माण ब्यक्गित रुपस’ करबौने छैथ सेहो जनतब भेटल ।

समारोहमे भूमिदाता एवं भवन निर्माणकर्ता राजकिशोर यादवकेँ मेयर यादव, उपमेयर साह सहित प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत बिरेन्द्रलाल कर्ण,वडा ३ के वार्ड अध्यक्ष कृष्णकुमार वसन्त , वार्ड नं.४ के वार्ड अध्यक्ष महादेव यादव सेहो सम्मानित करैत गौरवान्वित भेलाह । कार्यक्रममे नेकपा जिला सदस्य एवं पूर्व जिलासचिव लक्ष्मीनारायण यादव,जिला सदस्य रौदी मुखिया, युवासंघके धनुषा जिला इन्चार्ज सरोज यादव, सहित स्थानीय बुद्धिजीवी, समाजसेवी शिक्षाप्रेमी महानुभावसभके जमघट छल ।

 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया