जनकपुरधाम । मधेशवादी दलसभ मधेश शब्दधैरकेँ छोइर चुकल अवस्थामे बामपन्थीसभ मीलक मधेशवादी दल कायम कएलक । मिथिला नगरि जनकपुरधाममे दू दिवसीय सम्मेलनस’ ‘नेपाल मधेश कम्युनिष्ट पार्टी’ कायम करैत राष्ट्रिय सम्मेलन समापन कएलगेल छै ।
भेटल जनतब अनुसार प्रमोदनारायण यादवकेँ अध्यक्षतामे ५१ सदस्यीय राष्ट्रिय समिति कायम कएलगेल छै । जाहिमे डा.लक्ष्मी ओलीकेँ बरिष्ठ उपाध्यक्ष, मातृका यादव एवं रामशरण यादवकेँ उपाध्यक्ष एवं दिबाकर शर्माकेँ सर्वसम्मतिस’ महासचिव बनाओल गेल छै ।
तहिना शंकर यादव एवं शंखु जैसीकेँ उप-महासचिव तथा बामबुद्धिजीवी गौतम ढुङ्गेल,कल्पना यादव, काजल खातुनकेँ क्रमशः सचिव पदमे चयन कएलगेल छै ।
कायम कएलगेल ५१ सदस्यीय केन्द्रिय समितिमे १० गोटेकेँ बादमे समावेश कएल जाएत । से जनतब दैत नव निर्वाचित अध्यक्ष प्रमोद नारायण यादव नपालके वर्तमान कम्युनिष्ट पार्टीके लिडरसभ जनघाती छै कम्युनिष्टके चरित्र केकरोमे नइ छै ।
जनताके धोका द’क’ सत्ता शासनमे अपन दबदबा कायम करैत आएल छै । एहन कम्युनिष्टस’ देश मधेशकेँ नइ भल भेल छै नइ भल हएतै से दाबी कएलाह ।
तहिस’हमसभ नया कम्युनिष्ट आन्दोलन मादे यथास्थितीवादीसभकेँ बहाइरक फेकब आ जनताकेँ अपेक्षा पुरा करब कराएब हेतु ‘नेपाल मधेश कम्युनिष्ट पार्टी’ स्थापना कएल गेल छै, बतौलाह ।
एहे आश्विन बितल ४गते शहिद सूर्यनाथरान यादवके स्मृतिदिवसके अवसर पर बैसार कएल गेल छल । जाहि बैसारके सहमति अनुसार कार्तिक-१८-१९ गते जनकपुरधाम गोपाल धर्मशालामे ‘नेपाल मधेश कम्युनिष्ट पार्टी’के पहिल दू दिना बैसार कएलगेल ।
एहि बैसारस’ केन्द्रिय कमिटी विस्तार कएलगेल जनतब अध्यक्ष यादव सीमाञ्चल समदियाके देलाह । पार्टीके प्रदेश इन्चार्जसभकेँ जिम्मेवारी सेहो निर्धारण करैत कार्यभार सोंपलगेल ओ बात बरिष्ठ उपाध्यक्ष डा. लक्ष्मी ओली बतौलाह ।
प्रदेश नं.१के इन्जार्चमे राजुरिषिदेव सदाकेँ चयन कएलगेल छै । प्रदेश-२(मधेश प्रदेश)के इन्चार्जके जिम्मेवारी राशशरण यादवको देलगेल छै ।
प्रदेश-३के इन्चार्ज डा. लक्ष्मी ओली, ४केमोहन सुवेदी, ५के मातृका यादव,६के शंखु जैसी एवं प्रदेश ७के इन्चार्जमे गणेश उपाध्यायके चयन कएलगेल छै । सेहो जनतब ओली देलाह । चित्रःनागवंशी,सीमाञ्चल ।
प्रतिक्रिया