जनकपुरधाम । जगतजननी माता सीता-जानकीकेँ जन्मोत्सवके अवसर पर एतह मिथिला वाटिकामे शान्ति स्तम्भके शिलान्यास कएलगेल । आइ शनिदिन जानकीनवमी तिथि पड़ल छै । एहितिथिमे आइस’ सात हजार जतेक वर्ष पहिने जनक दुलारी सीता भूमिस’ प्रकट भेलछलीह ।
जानकी नवमीके एहि शुभअवसरमे जनकपुरधाम वार्ड नं.१४ मुजेलिया स्थित ब्रम्हाकुमारी राजयोग सेवा केन्द्रके आश्रममे शान्ति स्तम्भ निर्माण हेतु शिलान्यास कएलगेल छै ।
‘ब्रम्हाकुमारी ॐ शान्ति मिथिला वाटिकामे शान्ति स्तम्भके शिलान्यास एकटा समारोहबीच शनिदिन मधेश प्रदेशकेँ संसद रामआशिष यादव कएलाह ।
समाजसेवी नेता प्रदेश सांसद रामअशिष यादव,ब्रम्हाकुमारी राजयोग सेवा केन्द्र जनकपुरधामके प्रमुख ब्रम्हाकुमारी श्रृजना दिदी, कमला दिदी , ब्रम्हाकुमार जगदीश भाइ एवं ईश्वरी विश्व विधालयके भाइ जागेश्वर यादवव्दारा संयुक्तरूपमे शान्तिस्तम्भके शिलान्यास कएलगेल जनतब भेटल ।
मिथिला वाटिकामे १५ फिट चौड़गर, २५ फिट खड़गर देखनहुत शान्तिस्तम्भ निर्माण कएल जाएत । जाहि काजमे १२ लाख टाका ब्यय होएत । तेहन अनुमान कएलगेल बात ब्रम्हाकुमार जगदीश भाई सीमाञ्चल समदियाके देलाह ।
जनकपुरधामको मुजेलियामा नवनिर्मित ब्रम्हाकुमारी राजयोग सेवा केन्द्र ईश्वरी विश्वविद्यालय ॐ शान्ति मिथिला वाटिकामे आवास भवन, गंगा सतसंग सभाकक्ष,तपस्याधाम नामक भवनसभ निर्माण भचुकल छै ।
बाटिकामे निर्माण काज होबके बांकी भवन सहित शान्तिस्तम्भ समेतके निर्माण कार्य तीनमहिना भितरमे सम्पन्न कएल जाएत सेहो आधिकारीक जनतब ब्रम्हाकुमार जगदीश भाई देलाह ।
प्रतिक्रिया