जनकपुरधाम । भरत प्रसाद महतो नेतृत्वके ‘पिछरावर्ग (Obc) महासंघ नेपाल’ मादे आइ मिथिला नगरि जनकपुरधाममे धोती पगरी जुलुस प्रदर्शन कएलगेल ।
अप्पन भाषा संस्कृतिके पहिचानके खातीर सभकेओ एक होउ, कहैत सहभागीसभ जनकपुरधाम स्थित विद्यापति चौक मुरलीसरके नाम परिवर्तन कएल जाय ओहिपर अधिक जोर दैत नारा लगबैत आधानगरके परिक्रमा कएलक ।
मगही भाषा-संस्कृतिके बहाने चौकके नाम परिवर्तन कएल जाए सेहो नारा धोती पगरी जुलुसमे सहभागी मगहीयनसभव्दारा लगाओल गेल ।
कार्यक्रममे सहभागी मरदसभ धोती पहिरक गमछाके मुरैठा बान्हिक जुलुस बहार कएने छल ।
जनकचौकस’ शुरु भेल जुलुस रामचौक, सौतीनिया इनार, जानकी चौक होइत मिल्स एरिया पुगल । ओतह मुख्यमन्त्री कार्यालय, प्रदेश प्रमुखके कार्यालय एवं आन्तरिक मामिला तथा सञ्चार मन्त्री समेतके ज्ञापनपत्र बुझौलक । भेटल जनतब अनुसार जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकामे सेहो ज्ञापन बुझौने पिछरावर्ग केन्द्रिय महासचिव परमेश्वर कापरी जनौने छैथ ।
जुलुस कार्यक्रममे जनकपुर उद्योग बाणिज्य संघके उपाध्यक्ष, ओबीसीके केन्द्रिय अध्यक्ष भरत प्रसाद महतो, नगर अध्यक्ष प्रबिणकुमार महतो, मगही फाउण्डेशनके अध्यक्ष भुवनेश्वर महतो, सप्तरी कञ्चनपुरस’ प्रतिनिधित्व कएनिहार मनाई महतो, बिराटनगरस’ श्रीमति अहिल्याकुमारी कामत सहभागी छलाह ।
तहिना बलदेव साह, गीता देवी, लडूबत्ती यादव, धनुषा हँसपुरस’ श्रीमति रिंकु कापर, अलका देवी सहित एकसय जतेक लोकके हेंज जुलुसमे सामेल छल ।
प्रतिक्रिया