मानव स्वास्थ्य रक्षकसभव्दारा हँसपुरमे अस्पताल सञ्चालन

२०७७ कार्तिक १२, बुधबार १७:५९
सीमाञ्चल समदिया

  • 771
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । ग्रामिणक्षेत्रमे जनताके शुलभ स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध कराब लेल नीजीस्तर पर अस्पताल सञ्चालनमे आनल गेल छै ।
धनुषा जिलाके हँसपुर नगरपालिका वार्ड नं.३ अन्तर्गत हँसपुर हेल्थ केयर प्रा.लि. नामक नीजी स्तर पर अस्पताल सञ्चालनमे आनल गेल छै । हँसपुर बेल्ही चौक पर सञ्चालनमे आनल गेल अस्पतालकेँ बृहस्पति दिन भव्य समारोहबीच सेवा प्रवाह कएलगेल ।

हँसपुर नपाके मेयर रामज्ञान मण्डल प्रमुख अतिथिके रुपमे अस्पतालके उद्घाटन फिता काइटक कएलाह । जनताके स्वास्थ्य सेवा सरल एवं शुलभ तरिकास’अपने लगपासमे उपलब्द्ध भेलास’ लोकके सहजता भेटत । मानवीय विकासके एकटा पैघ आधारके रुपमे स्वास्थ्य सेवा रहल छै । जीवन रक्षाके भार उठौने चिकित्सक सभ भगवानके दोसर रुप होइत छै । अपन सेवा भावस’ लोकके मन जीतक कार्य विस्तार करैत रहत । से शुभकामना ब्यक्त मेयर मण्डल कएलाह ।

नगर विकासके क्रममे हँसपुर नगरक्षेत्रमे एकटा अस्पताल थपाएला पर ओ खुशी व्यक्त कएलाह । नपास’ हुअबाला हरेक सम्भव सहयोगके भरोस सेहो मेयर मण्डल उद्घाटन भाषण करैत देलाह । चिकित्साक्षेत्र बजारीकरण सेहो पयर फैला चुकल छै । ओहन बजारीकरण नइ करब,आग्रह करैत न्युनतम् दरमे जनताके सेवा प्रवाह करब ओ आग्रह मेयर मण्डल करैत अस्पताल सञ्चालनकर्ता सभके बधाइ एवं सफलताके शुभकामना समेत देलाह ।

  कार्यक्रममे वार्ड नं.३के वार्ड अध्यक्ष उदयकुमार सिंह-‘‘अपने गाम ठाममे अस्पताल सञ्चालनमे अएला पर खुशी व्यक्त कएलाह । आब चौबिसौ घण्टा सेवाप्रवाह हुअबाला अस्पताल सञ्चालनमे आएल छै । लोक आपतकालिन अवस्थामे जनकपुर चाहे आन ठाम किएक जाएत एतहि सेवा लेत ताहि हेतु अस्पताल सञ्चालनकर्ताके शुभकानमना देलाह ।

नेपाली काँग्रेसके नेता प्रदिप यादव शुभकामना मनतव्य दैत-‘‘अस्पताल सञ्चालनमे अएला पर खुशी व्यक्त कएलाह ।
हँसपुर नपाक्षेत्रक निवासी डा.शाहिद हुँसेन, महोत्तरी जिलावासी डा.नवराज पाण्डेय, जनकपुरधाम निवासी डा.रोशन साह सम्मलित टीमद्वारा हँसपुर हेल्थ केयर प्रा.लि. अस्पताल सञ्चालनमे आनल गेल छै ।

स्त्री  प्रसुति रोग, बाल रोग, आँइख रोग,चर्म रोग, यौन रोग, नाक, कान, घांटी,हार्डर्जोनी तथा नशा रोग ग्याष्ट्रिक सम्बन्धि समस्याके निदान लेल अस्पताल खोलल गेल जनतब कार्यक्रममे देल गेल । आधुनिक प्यथोलोजी ल्याब, एक्स रे सेवा,यूसीजी सेवा, जोनरल ओपी डी, नेबूलाइजेशन सेवा समेतके व्यवस्थापन ततकाल अस्पतालमे कएलगेल जनतब सञ्चालक मादे डा.नवराज पाण्डेय देलाह ।

कार्यक्रममे सहभागी प्रमुखअतिथि मेयर रामज्ञान मण्डल, वार्ड अध्यक्ष उदय सिंह, मेयरके प्रत्यासी प्रदीप यादव, सहित राजनीतिक दलके विभिन्न नेता,समाजिक अगुवा,सुरक्षाकर्मी, सञ्चारकर्मी सहितके व्यक्तित्वके चादर ओढ़ाक सम्मान समेत विशेष रुपस’ कएलगेल । नविन पाण्डे, पत्रकार उतिमलाल कापरी, सीमाञ्चल सम्पादक उपेन्द्रभगत नाववंशी सहित दू दर्जनस’ बेसी लोककेँ गमछा ओढाक तिलक लगाक सम्मान कएलगेल ।    चित्र-नागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया