माधव नेपालके हात लागल पूर्वमन्त्री साहके दाहिना हात

२०७९ कार्तिक १५, मंगलवार २१:५१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 36
    Shares

जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके प्रभावशाली मधेशवादी युवानेता पूर्वराज्यमन्त्री सञ्जयकुमार साह(टकला)के दाहिना हात पूर्व प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल लगमे पुंगल छै ।

 

धनुषाके खाशक जनकपुरधामक्षेत्रमे निचका तप्काके लोकके विशेष चहेता युवानेता पूर्वमन्त्री साहके दाहिना हात मानलगेल छै रामविनोद यादव । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एकिकृत समाजवादीमे एकटा कार्यक्रम बीच ओ पार्टी प्रवेश कएलाह ।

 

मधेशी जनअधिकार फोरम, मधेश क्रान्ति फोरम, सद्भावना पार्टी आदिमे पूर्वमन्त्री साह संगे संग रहैत आए यादव मधेशवादस’ बामबादमे घुसलाह । आब नवकि कर्तव्य देखबैत छै ओ समय बताओत ।

 

मिथिला आन्दोलनके बमकाण्डमे जेल जीवन बितारहल पूर्वसाहके प्रकरणमे रामबिनोद सेहो जहल जीवन बिताक अएलाह पछाइत गुम्म भगेल छलाह । बहुत दिनके गुम्मसुम्मी पछाइत आइ लोक हुनक धूवा देखलक । ओहो पूर्व प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल नेतृत्के नेकपा समाजवादी पार्टीके कार्यकर्ता जमघट एवं पार्टी प्रवेश कार्यक्रममे ।

 

धनुषा क्षेत्र नं.२ अन्तर्गतके पार्टी प्रवेश कार्यक्रममे धनुषा कनकपट्टी निवासी यादवकेँ फूलमाला लगाक गमछा ओढाक पार्टीके केन्द्रिय अध्यक्ष नेपाल मङ्गलदिन प्रवेश करौलाह ।

 

युवा नेता यादवके नेकपा एसके प्रभावशाली नेता एवं धनुषा क्षेत्र नं.२के प्रतिनिधिसभा सदस्यके उम्मेदवार रामचन्द्र झाके विशेष पहलमे नेकपा एसमे आनलगेल छै, एहन बुझमे आएल ।

 

कार्यक्रममे नेकपा एसके अ्रगज नेता रामचन्द्र झा, पल्टु पण्डित, शीतल साह,लाल गोइत, श्रीप्रसाद साह, राजकुमार मण्डल, बिजयकुमार चौधरी, हरिप्रसाद पौडेल,सहित दर्जनो नेता-कार्यकर्ताके सहभागिता छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया