सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाममे चैल रहल मैथिली,साहित्य,कला एवं नाटक महोत्सव अन्तर्गत मिथिला नाट्यकला परिषद्व्दारा मैथिलीभाषाके नाटक ‘गाम नइ सुुतैए’ प्रदर्शन कएलगेल छै ।
महोत्सवके दोसर दिनके कार्यक्रम अन्तर्गत कएलगेल नाटकके लेखन महेन्द्र मलंगिया एवं निर्देशन परमेश झा कएने छैथ ।
मैथिली विकास कोषव्दारा आयोजित तीन दिवसीय कार्यक्रमके रविदिन समापन होएत । प्रस्तुत नाटकमे मदन ठाकुर, सुनिल मिश्र, रामनारायण ठाकुर, बिष्णुकान्त मिश्र, रामकैलाश ठाकुर, गंगाकान्त झा,परमेश झा एवं अनितारानी मण्डल सन दिग्गज कलाकारसभ कुशलतापूर्वक अभिनय कएने छैथ ।
नाटकमे सुरेन्द्र राय, रोहित साह, धीरज ठाकुर, आलोक मिश्र, धर्मेन्द्र मिश्र, ज्योति झा, माहीतन्वीर खान, राजेश सक्सेना, सुनिता पासवान सेहो अपन अपन भूमिकामे सहभागि छल ।
नाटकमे पाश्र्वध्वनी एवं गीत गायनमे सुनिल मल्लिक, संगीता देव, ललित कामत सामेल छलाह ।
कलाकारसभकेँ अङ्गबस्त्र एवं देहदशा सजाबमे रुपसज्जाकार रामआशिष ठाकुर एवं मञ्च व्यवस्थापन शैलेन्द्र मल्लिक कएलाह । मिनापके महासचिव समेत रहल शैलेन्द्र मल्लिक मादे जनतब भेटल ।
प्रतिक्रिया