महोत्तरीमे भूमि छुबैत बिधुतीय तार,देखबैया केओ नइ !

२०७७ आश्विन २२, बिहीबार ०३:५२
सीमाञ्चल समदिया

  • 119
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल बिधुत प्राधिकरणके घोर लापरवाहीके कारण कखनो पैघ दुर्घटना हुअ सकैए । महोत्तरी जिलाके ग्रामिणक्षेत्रमे बिधुतीय लापरवाही एहन छै बिधुतके तार भूमि छुब लागल छै मुदा ओकरा देखबैया सम्हारबैया केओ नइ देखा रहल छै ।

महोत्तरी पिपरा गाउँ पालिका अन्तर्गत वार्ड नं.२मे एक पोलस’दोसर पोल धैरके तार भूमिके छूबैत छै तथापि ओकरा ताइनक व्यवस्थित नइ कएल जारहल छै । उपर बिधुतके मेनलाइन आ ओकर निच्चा ग्रामिणक्षेत्रमे चाइर फेजके लाइन बिधुत सेवा प्रवाह कएलगेल छै ।
बिधुतके तार ढील भ’क’ भूमिस’ मात्र दूफिट उपर निचलका तार आ ओइ उपरके तार ४फिट उपर रहल देखल जासकैए । तेकराबाद आन तार क्रमशः उपर तनाएल छै । जे कखनो कोना दुर्घटना आन सकैए ।

पिपरा बजारस’ पुरुब दखिनके पक्की पीचबाट दने अतरार सिरसिया जाएबाला बाटमे बिधुतीय लापरवाहीके एहन नतिजा देखल जासकैए । अतरा स्थित आधारभूत निम्न माध्यमिक बिद्यालके ठीक आगा सडक कातदने पछिम भरस’ बिधुतीय तार भूमिके छुबैत टङ्गाएल छै ।

अइ सम्बन्धमे पिपरा गापा वार्ड नं.२के अध्यक्ष ब्रह्मदेव यादवस’ जनतब लेला पर ‘‘ बिधुत प्राधिकरणके हाकिमके आधा वरिसस’ कहैत कहैत थाइक गेल छी । कर्मचारीसभकेँ बेरबेर टोकारी दैत आएल छिऐ । केओ सुइन नइ रहल छै । बुझाइए केओ सैटक मरतै तेकराबादे सुनतै ।’’ ब्यंग्य करैत उन्टे अपन ब्यथा सुनौलाह ।

संजोग नीक छै कोनो मानवीय दुर्घटना हाल धैर नइ हुअ सकल छै । हम त’ सरिया नइ सकैत छी । बिधुत कार्यालय नङ्गटपनि कए रहल    छै । कहलिऐ आओर नइ त’ तार काइटक हटा दियौ । दुइए फेज रह’ दियौ सेहो नइ करैत छै, अध्यक्ष यादव सेहो खेहरा सुनौलाह ।

शब्द चित्र— उपेन्द्रभगत नागवंशी  

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया