सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कोराना महामारीके कालमे लोक एकदिश स्वास्थ सुरक्षाके ल’क’ फिरसान छै । दोसर दिश आर्थिक खगतास’ जुइझ रहल छै । एहन संकटे संकटबाला अवस्थामे चोर-डाकूसभ सेहो हरबिर्रो मचाब लागल छै, जे सुरक्षा सयन्त्रलेल थप चुनौती बनैत जारहल छै । विशेष रुपस’ भारतीय सीमाक्षेत्रस’ जुड़ल गाम-नगरसभमे अखनु डकैतीके घटना दिनदिने बृद्धि होइत जारहल छै ।
बितलाहा राइत महोत्तरी जिलाके सम्सी गाम पालिका अन्तर्गत पर्सा टोलमे एकटा समान्य स्वर्ण व्यवसायीघरमे डकैती भेल छै । डाकूसभ घर परिवार सभकेँ गत्तरतोड़ माइर माइरक लुटपाट कएने छै । अस्त्रधारी डाकू समूह स्वर्ण दोकान सञ्चालनकर्ता विरेन्द्र साहकेँ मग्ज भांइक गम्भिर रुपस’ घाहिल बनाक डकैती क’क’ भागमे सफल भेल छै ।
सम्सी गाउँपालिका वार्ड नं.१ पर्साबजारमे आठ-१०गोटेके समूहमे पुंगल अस्त्रधारी डाकुसभ राजीव ज्वेलर्स नामक सोनचानीके दोकानमे लुटपाट कएने महोत्तरी प्रहरी पुष्टि कएने छै । डकूबासभ लुटपाटके क्रममे राजीव ज्वेलर्सके संचालक ५० वर्षीय विरेन्द्र साहके अस्त्र प्रहार कए डेगबैत पीटैत गोली प्रहारक अधमरु बनाक छोइर गेल छै । हुनका डारमे गोली लागल छै । प्रादेशीक अस्पताल जनकपुरोमे उपचार सम्भव नइ भेला पर धरान लजाओल गेल छै ।
डाकूसभ स्वर्ण व्यपारी साहके घरनी ४५ वर्षीय शुशीलादेवी साह, २५ वर्षीय बेटा शम्भु साह,१७ वर्षीय बेटा राजिव साह, बेटी २० वर्षीया कञ्चन कुमारी साहकेँ सेहो छड़ सहितके घातक अस्त्र प्रहार कए घाहिल बना देने छैक । हुनक सभके उपचार प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरधाममे भरहल छै । माथ,मुख सहित देहके गत्तर-गत्तरमे चोट लागल छै, कटाक गहिर घाउँ भगेल छै ।
महोत्तरी प्रहरीके सूचना अधिकारी, प्रहरी निरिक्षक रञ्जन मिश्र जनौने अनुसार पर्साबजारस’ दूसय मिटर उत्तर सम्सी गौशला सडक खण्डमे रोडस’ पश्चिम साह अप्पन घरेमे संचालन करैत आएल सोनचानी दोकानमे बुघ दिन मध्यरातीमे डाकूसभ गोली प्रहार करैत लुटपाट कएलक । डाकूसभ घरके पछा दक देबाल तड़ैपक घर भितर प्रवेश कएलक, कटुवा पेस्तोल सहित लोहाके छड़ सभके उपर आक्रमण करैत घर-दोकान भितरमे रखने नगद एवं गरगहना लुइटक निपता भगेल ।
प्रहरीके प्रारम्भिक जानकारी अनुसार डाकूसभ २ लाख ३२ हजार रकम बराबरके काँच चानी १७२ भरि,सोना ५ भैर ४ लाख ६५ हजार मूल्य बराबरके एवं नगद रकम २ लाख लुइटक लगेल छै । महोत्तरीके ओहिक्षेत्रमे दू महिनाके अन्तरालमे आठटा डकैतीके घटना भचुकल छै ।
सभस’ ताजुबके बात छै चारुभर इलाका प्रहरी, सीमा प्रहरी आ प्रहरीके अन्य चेक पोष्टसभ सेहो छै । सीमाक्षेत्रमे शसस्त्र प्रहरीकेँ कैम्प छै । नेपाल प्रहरी, शस्त्र प्रहरी, राजश्व गस्ती समूह चौबिसो घण्टा पहरु करैत रहैत छै । गाम गाममे प्रहरी कार्यालय छै तथापि गोली बनुक सहितके अस्त्रस’ लैश भ’क’ आबैत छै आ लुइटक डाकू लुटेरासभ मज्जास’ चैल जाइत छै ।
प्रतिक्रिया