महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग

मेयर साह समेतव्दारा सद्भाव लेल अपील, ९ सुरक्षाकर्मी आ दूदर्जनस’ बेसी लोककेँ कपरमण्डल भंगाएल

२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया

  • 15
    Shares

जनकपुरधाम । महोत्तरी जिलाके भंगहा नगर पालिका अधिन रहल परडि़या गाममे दू समुदायबीचके तनाव यथाबत् रहल बताओल जारहल छै ।
बृहस्पति दिन ‘हिन्दु सम्राट सेना’ सनातन सांस्कृतिक बाहक शोभायमान यात्रा बहार कएने छल ।

 

परडिया गोलचक्कर चौकलग पुगला पर सेनाके कार्यकर्ता चौक पर झण्डा गारब काज कएलक । जाहि पर चारुभैर घरके छत्त परस’ महिला पुरुष सहित शोभायात्रा पर इंटा-पाथर बरसाब लागल । जाहिस’ आपसी घमाशान शुरु भगेल ।

 

घटना एहन भयावह रुप ललेलक जे स्थिती बेसम्हार भगेल । महोत्तरी प्रहरीस’ भेटल जनतब अनुसार स्थिीके समान्य अवस्थामे लाबलेल महोत्तरी जिला प्रहरी कार्यालयके डिएसपी चन्देश्वर यादवके कमानमे प्रहरी परिचालन कएलगेल छल ।

 

परडियावासी प्रहरी समेत पर दूनुपक्षके घमाशानीमे आक्रमण भेल । डिएसपी यादव सहित ९ सुरक्षाकर्मी एवं तीनदर्जन जतेक सर्वसाधारण सहित घाहिल भेल छै ।

 

प्रहरी लाठी प्रहार करैत अश्रुग्यास गोली, आकाश फायर समेत पचासो बेर कएलक । तथापि भिन्सर दश बजेस’ आरम्भ भेल आपसी घमाशान ४ बजेधैर जारीए रहला पर आ स्थिती समान्य नइ होब सकला पर महोत्ररी प्रशासन दोसर आदेश नइ होबधैर कफू लगौने छै । कफू लगौला बादो तनाव कम नइ भेल छै ।

 

भंगहा नगरपालिकाके मेयर सञ्जीवकुमार साह परडिया गाममे दूनुपक्षबीच बृहस्पति दिन भेल अकल्पनीय घटनास’ स्तब्ध भेल छी ! सामाजिक सञ्जाल मादे अपन भावना सार्वजनिक करैत मेयर साह भंगहा नगरपालिकामे हिन्दु आ मुस्लिम समुदायबिच आपसी सद्भाव, भाईचारा अपनत्व रहैत आएल छै । किछुव्यक्ति विशेषके बहकाबामे दुःखद घटना भेल ।

 

मुदा आपसी सद्भाव अपनत्व दूनुपक्ष कायम राखत एवं गलततत्व ,व्यक्ति आ समूहके बहकाबामे केओ नइ आउ से आग्रह दूनु पक्षस’ कएने छैथ । संगेसंग प्रशासनव्दारा जारी कएलगेल कर्फूके पालन सेहो करैत कानुनके सम्मान कएल जाय ओहो अनुरोध मेयर साह कएने छैथ ।

 

घटनामे निर्दोषके नइ सानल जाय आ दोषीके बकशल नइ जाय चाही सेहो मांग मेयर साह कएने छैथ ।

 

दू समुदायबीचके व्यमनस्यकारी घमाशानमे प्रहरीव्दारा चलाओलगेल गोली लाइगक मो. इम्तियाज राइनके उपचारके क्रममे बाँही काइटक हटाब परल छै । कपरमण्डल भंगाइल मो. मनुराइन सहितके उपस्चार प्रादेशीक अस्पताल जनकपुरधाममे भरहल छै ।

 

दूनु दिशक लोक घाहिल भेल छै । जाहि मादे ४ गोटेके अवस्था गम्भिर बताओल जारहल छै जिनकासभके जनकपुरस’ बाहर उपचार हेतु पठाओल गेल बात बुझएमे आएल । समान्य घाहिलसभ अपन अपन हिसाबस’ विभिन्न ठाम उपचार सेहो करा रहल जनतब भेटल ।

 

जिनकासभके नाम अखनु प्रकाशमे नइ आएल छै । प्रहरी घटनाक सूक्षम अनुसंधान करबमे लागल बतौने छैथ । सभपक्षस’ संयमताके अपील सेहो महोत्तरीक एसपी कृष्णप्रसाद पगेनी कएलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
शरनार्थी प्रकरणमे हजसमिति अध्यक्ष मीयाँ सहित १४ धराएल
२०८० जेष्ठ ४, बिहीबार १४:२७
सीमाञ्चल समदिया
धनुषा प्रहरी चोरनराह गिरोहके पकरलक
२०७९ फाल्गुन २०, शनिबार १८:०६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
हत्याआरोपमे सनायल संसद महतो पर कार्यवाही हेतु गृह कटलक पत्र
२०७९ माघ ६, शुक्रबार २२:३३
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
परडि़या गाममे दू समुदायबीच घमाशान
२०७९ कार्तिक १०, बिहीबार २३:०४
सीमाञ्चल समदिया