महागङ्गा आरतीमे अमेरिकी राजदूतव्दारा प्रसाद ग्रहण

२०७९ चैत्र १७, शुक्रबार २२:४३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 12
    Shares

जनकपुरधाम । जनकपुरधामके पवित्र सरोवर गङ्गासागर स्थित नीयमीत होइत आएल महागङ्गा आरतीमे संयुक्त राज्य अमेरिकाके राजदूत सामेल भेलाह ।

photo By-Nagawanshi

महागङ्गा आरती शुरु भेल समय आइ आठवर्ष दू महिना २१ दिन पुंगल छै । जेष्ठ महिनामे गङ्गा दशहरा दिनस’ आरतीक आरम्भ मधेश प्रदेशक संसद रामआशिष यादव करौने छलाह । हुनके नेतृत्वमे सेफ द’ हिस्टोरिकल जनकपुर मादे दैनिक आरती क्रम जारी छै ।

 

आइ चैती दशहराक शुभ घडि़मे नेपाल स्थित अमेरिकी राजदूत डिनआर थामसॅन विशेष अतिथिक रुपमे सामेल छलाह । राजदूतक संग हुनक घरनी जेयान थामसॅन एवं दूतावासक दू दर्जन जतेक अधिकारी कर्मचारीसभ समेत आरती अवलोकनार्थ सामेल छलैथ ।

 

आजुक विशेष अवसर पर स्थानीय साउथ पोवाइन्ट स्कूलक छात्र छात्रासभ गङ्गा आरती पर आधारित सांगीतिक नृत्य नाटिका प्रस्तुत कएलक । स्कूल परिवारक नृत्य शिक्षक गुरु रामजी ठाकुरद्वारा तयार कएलगेल नृत्य प्रस्तुतिदेख राजदूत महोदय प्रशन्नता व्यक्त कएने छलाह ।

नृत्य गुरु रामजी ठाकुरव्दारा तयार साउथ पोवाइन्ट स्कूलके छात्र छात्रा प्रस्तुत कएने नृत्यमे सहभागीसभ ।

 

सनातन हिन्दु धर्मप्रति अमेरिकन राजदूत आस्थावान देखल गेल ओ आरती पछाइत चनामृत एवं प्रसाद ग्रहण समेत दुनु परानी कएलाह । आरतीक सञ्चालन एवं व्यवस्थापनकर्ता संसद रामआशिष यादव शाल गमछा ओढाक राजदूत दम्पतिकेँ स्वागत कएलाह ।

 

सेफ द’ हिस्टोरिकल परिवारके रवि गोयनका, अधिवक्ता राजकुमार महासेठ, उद्घोषक जोगेन्द्र ठाकुर एवं पुरोहितजन एवं अन्य अतिथिगणकेँ स्वागत कएलाह । आजुक आरतीमे भारत मुम्बईस’ सेहो विशेष लोक आइब सामेल भेल छलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया