मनपाव्दारा ३२ मीटर नम्हर झुलुंगे पुल उद्घाटन, एसपीके बिदाई

२०७८ माघ ४, मंगलवार १६:३९
सीमाञ्चल समदिया

  • 27
    Shares
simanchal.com

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नगरवासीके मात्रे नइ आन गाम-ठामके बासी समेतके आबाजाहीमे सहजता हेतु मटिहानी नगरपालिका झुलुंगे पुल निर्माण पुरा कराओल गेल छै । नेपाल सरकारके सशर्त अनुदान रकम एवं मनपाके संयुक्त लगानीमे पुल निर्माण काज पुरा भेल छै ।

मटिहानी वार्ड नं.६ स्थित बिग्ही नदीमे पुल निर्माण कएलगेल छै । मनपाके ५२ लाख टाका लगानी भेल झु्लुंगे पुल ३२ मीटर नम्हर एवं डेढ़ मीटर चौड़गर बनाओल गेल छै । नव निर्मित पुलके एकटा समारोहबीच मनपाके मेयर हरिप्रसाद मण्डल उद्घाटन कएलाह ।

झुलुङ्गे पुल निर्माण उपभोक्ता समितिके अध्यक्ष कलिम अंसारीो सभापतित्वमे उद्घाटन कार्य सोमदिन सम्पन भेल । कार्यक्रममे मनपा वार्ड नं. २, ६,७ ,८ नम्बरके वार्ड अध्यक्ष क्रमशः रामबाबू नायक, जीतनारायण माझी, गणेशप्रसाद साह, शिवचन्द्र झा सामेल छलाह ।

simanchal.com

मटिहानीके पूर्वगाविस अध्यक्ष रामकुमार मंडल, प्रशासकीय अधिकृत राजेश शर्मा, कार्यपालिका सदस्य बेचनी मण्डल, सुनकेसी चौधरी, पूर्वकर्मचारी बरुण मण्डल, रामजी मण्डल, जि.स.स. सदस्य रामलखन पंजियार, इन्जिनियर विमलेश साह,सामेल छलाह ।

तहिना पार्टी प्रतिनिधि नागेन्द्रलाल कर्ण, जुगेश्वर खत्बे, जुगेश्वर यादव, शिक्षा संयोजक चन्देश्वर साह, नुर मोहम्मद राईन सहितके लोकसभकेँ सहभगिता छल ।

अहितरहें सशस्त्र प्रहरी बल ९ न. गण जलसागरके सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक सुरेश सापकोटाके विदाई सेहो कएलगेल छै । महोत्तरी जिलास’ बदली भ’क’ जाए लागला पर नगरप्रमुख मण्डल मटिहानी स्थित अतिथिगृहमे सम्मान सहित विदाह कएलगेल छै ।

मटिहानी स्थित लक्ष्मीनारायण मन्दिरके चित्र एवं गमछा ओढाक एसपी सापकोटाके मेयर मण्डल सम्मान बिदाह कएलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया