मधुमेह रोगीलेल उत्तम ललका केरा, नेपालमे खेती शुरु

२०७८ बैशाख २७, सोमबार १७:५८
सीमाञ्चल समदिया

  • 55
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपालमे पहिल बेर व्यवसायीक रुपमे ललका केराके खेती शुरु कएलगेल छै । मधुमेहके रोगी सभकेँ लेल उत्पादन कएल जारहल ललका केरा सुगर फ्री रहलास’ उत्तम मानल गेल छै ।

ललकाकेरा आने केरा जकां फल दैत छै । मात्र देखमे छीमी लाल होइत । लालछिमी भितर केरा-फल उज्जर रहैत छै । केराके गाछ सेहो कनेक ललगर रहैत छै । केराके थम लाल आ भालरके पत्ता हरियर रहैत छै ।

पश्चिम नेपालके कञ्चनपुर जिलामे ‘सुगर फ्री’ ललका केराके खेती शुरु भेल छै । जेकर गाछ-कलम सेहो बिक्री वितरण लेल उपलब्ध छै ।
ललका केरामे क्याल्सियम आ चीनीके मात्रा कम रहलास’ मधुमेहके रोगी लेल केरा फलदायी हुअ सकैए । ओहि विश्वासके संग कञ्चनपुरमे कृषि सहकारी संस्था मादे खेती आरम्भ कएल गेल छै ।

संस्थाके अध्यक्ष पूर्ण सिंह साउद सञ्चारकर्मीसभकेँ देने जनतब अनुसार पाँचसय जतेक केराके वीया ‘इजरायल’ स’ आइनक टीस्यु कल्चर प्रबिधि माध्यमस’ कलम लगाक खेती शुरु कएलगेल बतौने छैथ ।

‘‘ अखनु परिक्षण रुपमे खेती आरम्भ कएने छी । देश भैरस’ दश हजार जतेक कलम-गाछके मांग भेल छै । बजारके मांग अनुसार थप गाछ विस्तार कएल जासकैए’’ सेहो जनतब ओ देने छैथ ।

केरा उत्पादन तथा प्रवर्ध्दन कृषि सहकारी संस्था परीक्षणके रूपमे ओतह केरा लगौने छै । आन केरा जकां समान्य गाछ होइत छै । एकर ‘जी नाइन’ आ ‘बिलियम हाइब्रेड’ केरा आन केराके तुलनामे दू महिना बेसी समय फरमे लैत छै ।

स्थानीय जातिके केरासन आन विटामिन होइत छै । सुगरके मात्रा कम रहैत छै, तैस’ मधुमेहके रोगी लेल ललका केरा बेसी फलदायी मानल गेल छै ।

ई केरा भारतके दक्षिण प्रान्तमे बहुत पहिनेस’ ब्यवसायीक रुपमे खेती होइत आएल छै । मुदा नेपालमे आब शुरुए भेल छै ।

एकटा केराके कलमी गाछ १६० टकामे बिक्री बितरण भरहल छै । अइके लेल आदर्श ग्रुप अफ एग्रो एण्ड फरेस्टी प्रा.लि. भरतपुर नगरपालिका वार्ड नं.-६मे सम्पर्क क’क’ किनल जासकैए । सेहो जनतब भेटल अइ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया