सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । प्रदेश दू अन्तर्गत सर्लाही जिलामे मधुमाछीके कटला पर एकटा बालिकाके मृत्यु भगेल छै । सर्लाहीके गोडैता नगरपालिका वार्ड नं.९ निवासी बकैनिया गामके राजेश चौधरीके ३ वर्षके बेटी साक्षीकुमारीके मृत्यु भेल जनतब भेटल अइ ।
सोम दिन साँझमे खेलैत छली ओहि खेलब क्रममे मौधमाछी काइट लेलक आ बेचारी बेहोस भ’क’ खैस परली । बालिका साक्षीके ततकाले उठापुठाक गाममे प्राथमिक उपचार कराओल गेल । बादमे थप उपचार हेतु जिला अस्पताल मलंगवामे भर्ति कएलगेल । जतह उपचारके क्रममे सोमदिन राइतेमे अस्पतालमे मृत्यु भगेल । बकैनियाँ गामके वार्ड अध्यक्ष बासुदेव चौधरी पत्रकारसबके बतौलक ।
प्रतिक्रिया