सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिला सदर मुकाम जनकपुरधाममे जारी मतगणना परिणाम अनुसार स्वतन्त्र उम्मेदवारसभके अग्रता बनल रहत । ओन प्रारम्भिक संकेत देखार भेल छै । संगेसंग अइबेर मत सेहो अधिक बद्दर होएत ओकरो संकेत भेटल छै ।
अखनु आएल टटका परिनाम अनुसार मेयर पदमे नेपाली काँग्रेस त्याइगक स्वतन्त्र उम्मेदवार बनल मनोज साहके मतअग्रतामे आगु छैथ ।
नाम दल चिन्ह प्राप्त मतसंख्या
१. मनोज साह, स्वतन्त्र घण्टाघर ६७
२. शिवशंकर साह हीरा नेकपा एमाले सुर्य १८
३. बलराम महतो स्वतन्त्र आम १६
४. जानकी राम शाह स्वतन्त्र लालटेन ८
५. लालकिशोर साह जसपा छत्ता ८
६. मनोज चौधरी लोसपा साइकल ५
७. अनिता साह जनमत हर्न ४
बद्दर ३४
धनुषाधाम नगर पालिका
तहिना धनुषा जिलाके धनुषाधाम नगर पालिकामे सेहो जारी पहिल टटका परिणाम अनुसार
नेकपा एमालेके अग्रता मेयर, उप मेयरमे रहल छै । पत्रकारितास’ आबद्ध विनयकुमार यादव मादे भेटल जनतब अनुसार मेयर पदमे नेकपा एमाले-५४, नेपाली काँग्रेस-३९, नेकपा माओवादीकेन्द्र -३७, जसपा नेपाल-२९ मत प्राप्त कएने छै ।
तहिना धनुषाधाम नपामे उपप्रमुखके उम्मेदवार सभमे एमालेके ४७, नेकाँके-३७,माओवादी-३०, जसपा-३८ मत आएल छै ।
प्रतिक्रिया