मटिहानीवासीके गैस,चुल्हा आ सिलेण्डर निशुल्क वितरण

२०७८ मंसिर १२, आईतवार १६:१७
सीमाञ्चल समदिया

  • 3
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । महोत्तरी जिलाके मटिहानी नगरपालिका बहुतराश विकास निर्माणक गतगर काज कए लोककेँ गदगद सेहो कएरहल छै ।

मानविकासके दृष्टिगत करैत गरीब दलीत परिवारके चुल्हा पर धूवाँधूकुरमे भोजन बनाबके बाध्यतास’ हटाबके काज कए फेर उदारहनीय बनल छै मेयर हरिप्रसाद मण्डल !

मटिहनाी नगर पालिकाके मेयर मण्डलके सद्प्रयासस’ महिलासभकेँ समस्याप्रति समेत गम्भिर होइत गैस चुल्ही आ भरल सिलेण्डर भोजन बनाब लेल प्रदान कएलाह ।

मटिहानी भितरमे रहल गरीब, दलीत, पीछड़ल वर्ग समुदायकेँ गैस सिलेण्डर दुचुल्हिया चुल्ही घरेघरे प्रदान कएल गेल छै । महिलासभके जड़ना-काठी, पत्ता, करसी पर भोजन बनाबमे धूवाँमे आँइख करज्जनी करैत भानस बनाब पड़ैत छल । ओ बाध्यतास’मुक्त समेत कराओल गेल छै । जाहिस’मेयर मण्डलकेँ महिलासभ बराइ करैत आ धन्यवाद दैत नइ थकैत छै ।

मटिहानीके १३३ घर परिवारमे घरगृहणीसभकेँ एकठाम संगोर कए एकटा समारोहबीच गैसचुल्ही,रेगुलेटर, लाइटर, पाइप, आ भोजन बनाबाला एलपी गैसस’ भरल सिलेण्डर प्रदान कएलगेल छै से जनतब भेटल । जन सरोकारस’ जुड़ल ई ठोसगर भरोसगर आ प्रशंसनीय काज मेयर मण्डलव्दारा कएलगेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com
मिथिला चित्रकलाको विशेषता
२०७९ भाद्र ३०, बिहीबार २३:५९
सीमाञ्चल समदिया