मटिहानीमे दू पक्षबीच देदनादन दर्जन लोक घाहिल, अवस्था गम्भिर

२०७७ कार्तिक १४, शुक्रबार ०५:१९
सीमाञ्चल समदिया
मटिहानीमे दू पक्षबीच देदनादन दर्जन लोक घाहिल, अवस्था गम्भिर

  • 34
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । महोत्तरी जिलाके मटिहानी नगरपालिकामे दूपक्षबीच आपसी घमाशान भेल छै । जाहिमे एकदर्जन जतेक लोक घाहिल भेल छै । आपसी घामशान राजनीतिक रुपलेलास’ अवस्था आओर भयावह बनल आ टेनामेनी एकदोसरप्रतिके आक्रोस जारी छै । तैँ पुनः कोनो अप्रिय घटना हुअ सकैए तेकर सम्भावना स्थानीय बुझनिक लोक व्यक्त करहल छै ।

मटिहानी दुर्गा पुजनस्थलमे दूपक्षबीच आपसी घमाशान भेल । दलगत हिसाबस’ नेकपा सम्मलित विजय चौधरी एवं नेकाँ सम्मलित जयकुमार चौधरी पक्ष एवं जसपा सम्मलित मटिहानी नपाके मेयर हरिप्रसाद मण्डल पक्षधर लोकबीच आपसी घमाशान भेल छै ।

चौधरी पक्षधर लोक मटिहानी नगरपालिकाके मेयर मण्डलके उपस्थितिमे विजय दशमीके राइतमे सांघातिक आक्रमण करौने दाबी कएने छै । जाहिमे मटिहानी नगरपालिकावार्ड नं.८ निवासीे ५७ वर्षीय स्वयं विजय चौधरी, ४८ वर्षीय जितेन्द्र चौधरी एवं वार्ड नं.७ के ५३वर्षीय गणेश प्रसाद साह घाहिल भेल छै । घाहिल चौधरी उपचार पछाइत घर घुरल छैथ । जितेन्द्र आ गणेशके काठमाडौँस्थित ट्रमा सेन्टरमे उपचार भरहल स्वयं चौधरी बतौलाह ।

मेयर पक्षधर दाबी अनुसार घमाशानमे दुर्गा मन्दिर पुजा समितिके १० हजार टाका सेहो चौधरीपक्षधर समूहव्दारा लुटल गेल छै । घटनामे मेयर पक्षधर लोक प्रदीप महरा, बिरेन्द्र मण्डल, सन्तोष मण्डल, दिनेश साह, सुरज कापर, रञ्जन मण्डल घाहिल भेल छै । अइ मादे दिनेश साह आ बिरेन्द्र मण्डलके माथ पर धरगर अस्त्र प्रहार कएल गेलास’ कपरमण्डल भंगागेल छै । साहके माथमे ७ टाका एवं मण्डलके ४ टांका लागल छै । ततै सुरज कापरके दाहिन हात क्रेक भेल कहलगेल छै । अन्यके लाठी डन्टाके पीटाइमे गत्तर टुटल, फूलल छै ।

चौधरीव्दय पक्षधर हुल पुजा स्थलमे आएल आ उधम मचाब लागल मूर्तिसभ सेहो तोइर-फोइर देलक । दश हजार टाका जम्मा छल सेहो ओ सभ कोषाध्यक्ष रामलखन पजियारस’ छीनक लगेल दुर्गा पुजा समतिके अध्यक्ष जीतनारायण माझी बतौने छै ।

चित्रश्रोतविजय चौधरी

घाहिल विजय चौधरी मटिहानी नगरप्रमुख हरि मण्डलके उपस्थिति तथा प्रत्यक्ष संलग्नतामे घटना भेल ठामे आरोप लगबैत छैथ । दोसर दिस मेयर मण्डल हमर नाम घटनामे साइनक अहिना बदनाम करब लेल प्रतिपक्षी चौधरी प्रचारित करहल हय, हमर कोनो संलग्नता नइ रहल ओ बतौलाह । विपक्षीसभ राजनीतिक प्रतिशोधके कारण हमरा बदनाम करहल हय जखन कि घटना दोसरे छै ।

दशैंके उत्साहमे मटिहानी स्थित एकटा होटलमे चौधरीव्दय पक्षधर खानपीन करैत काल आपसमे टेनामेनी भेल ओतहि फूइस फसांदी सुरु भेल । मारापीट्टी सेहो । ओ घटनाके राजनीतिक रुप दिअके काज भगेल । चौधरीपक्षधर लोक घटना मेयर मण्डल करौलक कहैत हमर घर पर जाक पथराव समेत कएलक, मेयर मण्डल सीमाञ्चल समदियाके बतौने छै ।

ततै नेकपा समबद्ध घाहिल चौधरी नगरक्षेत्रमे भेल विकास काज एवं प्रगति बारेमे वार्ड-वार्डमे जागरण अभियान चलाइब रहल छी, तैस मेयर घबराक हमरा आ हमर सहयोगी लोक पर आक्रमण करबौलक आरोप लगौलाह ।

बिजय दशमी दिन कातिक १० गते राइतमे मटिहानी नगरपालिका वार्ड नं.७ मे दुनुपक्षबीच समान्य विवाद उग्ररुप लेलक । तकरे परिणती भेल आक्रमण प्रतिआक्रमणी घटना मटिहानीमे भेल छै । विवाद शान्त करब लेल प्रहरी उपस्थित छल मुदा दूनुपक्षबीच मध्यस्थताके प्रयास मात्र करैत रहिगेल । दशैंके छुट्टीके कारण सेहो एना प्रहरी कएने होएत ओ भसकैए । मुदा प्रहरी तटस्त रहित त सम्भवतः एहन अपराधि जकाँ आक्रमण प्रतिआक्रमणिक घटना नइ होइत !

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया