मटिहानीमे दशैंके शोभायमान यात्रा,जनकपुरीया लेल अनुशरणीय

२०७८ आश्विन २१, बिहीबार १८:१३
सीमाञ्चल समदिया

  • 48
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
—उपेन्द्रभगत नागवंशी,जनकपुरधाम । मटिहानी नगर पालिका बृहस्पति दिन बेस आकर्षक एवं परम्परागत सांस्कृतिक मूल्य मान्यताकेँ प्रतिपालन करैत,शोभायमान यात्रा बहार कएलक । दशैंके अवसर पर सभसाल कलशयात्रा बहराइत छै, दुर्गा पुजा भव्यगर होइत छै ई मटिहानीके अपन विशेषता छै । मुदा आन सालस’ अइबेर पृथक,एवं सुललितगर कएलगेल छै ।

जाहिमे अपन मौलिकताकेँ परिचय झलकबैत सांस्कृतिक अनुष्ठानीक शोभायमान यात्रा बहार कएलगेल । निश्चित रुपमे ई कुशल नेतृत्वक परिचयकेँ सेहो झलक भेटल छै । जेकर श्रेय मेयर हरिप्रसाद मण्डलके जाइत छै ।

दशैंके अवसर पर आनेसाल जकाँ अहूबेर श्री आदर्श दुर्गा पूजा समिति मटिहानीव्दारा घटस्थापना कएलगेल छै । शोभा कलश यात्रा बहार कएलगेल । जतह घटस्थापनाके विधि पुरा कएलगेल ।

सउंसे मटिहानी नगरक्षेत्रके परिक्रमा करैत हजारौं नर-नारी मटिहानी बजारस’ उत्तरमे बहैत बिघही-कटमेश्री धारके संगम स्थली लगमे विधिपूर्वक जल भरान कएलक । नारीस’ जल भरल कलशसंग यात्रा करैत पुजा स्थलमे जाक राखल गेल ।

कोरोना सन कालके अन्तलेल एवं विश्वशान्ति, मानव कल्याणार्थ आयोजन कएलगेल शोभा यात्रामे मटिहानी नगर पालिकाके मेयर हरिप्रसाद मण्डलकेँ अग्रसरतामे भेल । प्रदेश संसद रानी शर्मा, अभिराम शर्मा, विशेष अतिथिक रुपमे शोभा कलश यात्रामे सामेल छलाह ।

मटिहानी नपाके उप प्रमुख शिबो देवी साह, बार्ड अध्यक्षसभ, सदस्यसभ एवं समाजक अगुवाइ करएबाला जेष्ठ-श्रेष्ठजन सेहो सयोके संख्यामे यात्रामे सहभागी भेल छलाह ।

घोड़ सबार, रथाकार घोड़सवारी एवं ओहि पर सुन्दर कन्याकेँ भगबत्तीकेँ बिभिन्न रुपके मिथिलाके पहिरण-ओढ़नमे झांकी बहार करब काज भेल छै । मण्डप आकारके रथ पर सवार यात्रा घुमाओल गेल छै ।

आलेपित भेल ‘बारह सिंगा-धू-धू बाजा’ आधादर्जनस’ उपरकेँ संख्या यात्रामे सामेल कएलगेल छल । धू-धू बाजाके मौलिक स्वर सभके हकार दैत पौराणिक महत्वाके दर्शाबमे कोनो कसर शेष नइ रह देलक ।

ढोल,तासा आदि पौरानिक बाद्य बादन सेहो छल, संगेसंग आधुनिक बाद्ययन्त्र समेत यात्रा शुखदायी सन्देश छिरियौलक । ताहि परस’ मिथिलानी नारी, कन्यासभकेँ भूmमर सोहर गीत आओर सोनमे सुगन्ध लगा रहल छल ।

आधुनिक जीवनशैलीमे जतह सभकिछु बदैलगेल छै, जे शेषछै ओहो बदैल रहल छै ततहि मटिहानीके घटस्थापनके अवसर पर बहार कएलगेल शोभायात्रा अपन फरक पहिचानस’ सउंसे क्षेत्रके जगजियार कएलक अइ ।

जनकपुरधाममे सेहो यात्रा बहार होइत छै बेलनोती, बेलतोरी स’ल’क’ विभिन्न । धूम धामस’ मेला लगाओल जाइत छै । सरसजाबट सेहो होइत छै मुदा सभबेर नयां । जाहिमे दशैं किएक आ कथिला मनाओल जाइत छै ।

एकर अपन मौलिकता की, जनकपुरधामके गौरव गरिमा की ओहि मौलिकताके साफे धियान नइ राखल जाइत छै । व्यवसायिकताके छापा तेहने देखाइत रहैत छै । सउंसे सिस्टम आधुनिकतामे परिवर्तित रहैत छै जनकपुरधामके दशैंमे ।

मटिहानीके आजुक यात्रा ककरो मन मोहि लिअबाला छल । हम अत्यन्त प्रभावित भेल छी । जीनकर सुझ बुझस’ गरिमामय कार्य सम्पादन भेल छै ओ व्यक्ति मटिहानी नपाके मेयर हरि मण्डलकेँ जतेक धन्यवाद दी, हुनका संग पुरएबाला, दुर्गा पुजन व्यवस्थापनमे लागलसभकेँ जतेक प्रशंसा करब कम होएत ।

विज्ञापन—

 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Maithili Kalakar
राज्यसिनेहस’ उपेक्षित मैथिली सिनेकलाकारसभ सम्मानित
२०८० असार ३१, आईतवार ११:३४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पाँचसय वर्ष पुराण मिथिला परिक्रमा-यात्रा मटिहानी पुंगल
२०७९ फाल्गुन ११, बिहीबार २०:१९
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
साहित्यकारसभाके वार्षिक उत्सवमे विभिन्न श्रष्टा सम्मानित
२०७९ माघ ७, शनिबार २२:०४
सीमाञ्चल समदिया
भूत आ कालके भगाबबाला लोकोत्सव एवं चन्द्रग्रहण आइ
२०७९ कार्तिक २२, मंगलवार १२:०२
सीमाञ्चल समदिया