जनकपुरधाम । विकास निर्माणके काजमे महोत्तरी जिलाके मटिहानी नगरपालिका एकके बाद एक जनसोकजगर काज करैत जारहल छै ।
आइफेर नदीमे एकटा पुल निर्माण हेतु शिलान्यास कएलगेल छै ।
लोकके आबाजाही करबमे अत्यन्त दिक्कदारी होइत आएल छल । ओहि बातके दृष्टिगत करैत नगर प्रमुख हरिप्रसाद मण्डल पुल निर्माण हेतु शिलान्यास कएलाह । मटिहानीके झिभा खोला पनियाही नदी पर ३५ लाखके लागतमे आठमिटर लम्बा एवं पाँच मिटर चौड़गर पुल निर्माण होएत । जेकर शिलान्यास रविदिन कएलगेल छै ।
२६ फिटनम्हर एवं सवा १६ फिट चौड़गर पुलके एहिवर्ष निर्माण पुरा कएल जाएत ओ जनतब भेटल । पुल शिलान्यास कार्यक्रममे नगर प्रमुख मण्डलके अतिरिक्त वार्ड अध्यक्षसभ कलीम अंसारी, रितेश साह, नाजिर राईन,कार्यपालिका सदस्य अरुण नाहर सहभागी छलाह ।
तहिना मटिहानी नगरपालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत राजेशकुमार शर्मा, लोसपा नेपालके श्यामकुमार मण्डल, नागेश्वर गुप्ता, नेकपा एमालेके जुगेश्वर खत्बे सहितके दलीय प्रतिनिधिसभके सेहो सहभागिता छल ।
पुल निर्माणस’ जनताके सुगमता होएत एवं एक तरहे आबत जाबत बन्नसन रहल चौरीयानी बात बिस्तार होएत लोकके आबाजाहीमे बृद्धि सेहो होएत ।
प्रतिक्रिया