मङ्गल अमङ्गल भेलःएकमहिला एकबालक मरल, दश घाहिल

२०७९ जेष्ठ २४, मंगलवार १०:४३
सीमाञ्चल समदिया

  • 74
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । आइ मङ्गल दिन अमङ्गल भगेल ; एकसप्ताह पहिनेस’ हेराएल एकटाबालक आइ मृत अवस्थामे भेटल छै ।

धनुषा एवं महोत्तरी जिलाके सीमामे बहैत दूधमति धारकातके एकटा झाड़ीमे ६ वर्षक बालककेँ शव भेटल धनुषा प्रहरी पुष्टि कएने छै ।

शवके प्रकृति देखला पर बालके हत्या कएलगेल बुझाइत छै । धनुषाके एसपी वसन्त राजौरेके कहब अनुसार ‘एकहप्ता पहिनही केओ बालककेँ माइरक फेकदेने होएत । जनकपुरधामस’ बालक हेराएल छल ओहि बालक केँ शव होब सकैए ।

विशेष शव परिक्षणस’ बात खुजत, प्रहरी आओर अनुसंधान करहल छै सेहो एसपी राजौरे बतौलाह । जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं.२२ वसविट्टी एवं महोत्तरी पिजलाके पीपरा गाउँपालिका वार्ड नं.६के सीमा स्थित

विसविट्टीलगमेबहैत दुधमती नदी कात पनियाउ झाड़ीमे सोम राति छओ वर्षके बालकके शव भेटल छल ।

सर्लाही जिलाके कबिलासी नगरपालिका वार्ड नं.७ गैरबाजार निवासी बतबैत आएल जियासरण बरही, जनकपुरधाम वार्ड नं.८ बलबाटोललग पाल टाइङ्गक करोड़बा जकां रहैत आएल छै ।

जियासरणके ६ वर्षके बेटा रॉकी बरही हेरारहल छल । एहे जेष्ठ बितल १७गते एकगोटे अनचिन्हार व्यक्ति बालककेँ लगेल तेकराबादस’ रॉकीके कोनो सुराक नइ भेटल । आब मरल भेटल शव रुपी बालक रॉकी केना किएक केओ मारलक ओ छगुन्ताके विषय बनल छै ।

सप्तरी बस दुर्घटनामे एकमरल दश घाहिल
अहितरहे मधेश प्रदेशके सप्तरी जिलामे एकटा यात्रीबाहक बस उन्नैट-पलैट गेलास’ एकटा महिलाके मृत्युु भेल छै । एवं दशगोटे घाहिल भेल छै ।

भेटल जनतब अनुसार राजविराज-मुसहरनीया- सड़कखण्ड अन्तर्गतमे बस दुर्घटनामे पड़ल । रुपनी वार्ड नं.५ स्थित पाँचकिलो नामक स्थानमे ०३-००१ ज ०२७७ नम्बरके मोइक्रोबस तीव्रगतिके कारण पलैटक दुर्घटना भेल छै ।

जाहि घटनामे सप्तरी रुपनी गापा वडा नं.-१ रायपुर गामके ६८ वर्षीय तारावती देवी यादव मैर गेलीह । बस दुर्घटनामे पैरक १०गोटे घाहिल भेल छै ।

घाहिलसभकेँ उपचार भरहल छै । सेहो जनतब सप्तरीके डिएसपी माधवप्रसाद काफ्ले देने छैथ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया