भैगुलो जमाविमे प्रअके मनपर्दी बिरुद्ध१२०अभिभावके ज्ञापन

२०७७ पुष २३, बिहीबार १६:२७
सीमाञ्चल समदिया

  • 51
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मनरासिश्वा नगरपालिका अन्तर्गत एकटा बिद्यालमे प्रधान अध्यापकके हैकमस’ अभिभावकसभ तङ्ग आइबगेल छै । ओइके निकास लेल नीयम कानुन सम्मत पहल हेतु नगरपालिका कार्यालयमे अभिभावकसभ मध्ये १२० गोटे सही-छाप कए लीखित निवेदन शुक्रदिन दर्ज करौलक ।

म.सि. नगरपालिकाके वार्ड नं.९ बथनाहा स्थित श्री भैरब दाइ, गुलाब दाइ, लोचन दाई जनता माध्यमिक विद्यालयमे सञ्चालनमे छै । विद्यालय दशवर्ष स’ अधिक समय स’ ब्यवस्थापन समिति विहीन अवस्थामे छै । पठन पाठनके अवस्था दयनीय छै । शिक्षकसभ समय पर नइ अबैत छै । एकदिन केओ आएल, दोसर दिन केओ ! सबदिन सब शिक्षक भेटब नदारथ रहैत छै ।

महोत्तरीकेँ सम्मानित आ नाम चलल विद्यालय मादे एक रहल भैगुलो माविमे ‘‘ प्रधान अध्यापक अरबिन्द ठाकुरकेँ कारण सभ किछु भद्रगोल बनल छै । से आरोप समेत अभिभावकसब लगबैत सातदिन भितर ब्यवस्थापन समिति गठन नइ भेल,निकास नइ निकलल तखन हम अभिभावक सभ आओर दोसरो विकल्प खोजब’’ चेतौनी सहित नपामे निवेदन दर्ज करौलक, जाहिके दर्ता नं. ९३ रहल छै ।

बिगतमे बहुतो बेर अभिभावक सभबीच समाजिक स्तर पर सहमति भेल मुदा कोने सहमति प्रअ कार्यान्वयन नइ हुअ देलक । विद्यालयकेँ करोड़ो जतेक आम्दानी छै जकर कोनो लेखाजोखा सार्वजनिक नइ करहल छै । विद्यालयकेँ प्रअ अरबिन्द ठाकुर मनपर्दी करैत, आर्थिक लगायक अनियमीतता सेहो करैत आएल छै । अभिभावक पुनित ठाकुर नपाकेँ प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रञ्जितकुमार यादवकेँ उपराग दैत कहलाह ।
‘काइल्हिए हम प्रअकेँ पत्र काइटक बजबैत छी । १५ दिन भितरमे विद्यालय व्यवस्थापन समिति प्रकृया अनुसार कायम कराएब प्र.प्र.अधिकृत यादव स्थानीय अभिभावक सभकेँ हेंजकेँ सम्बोधन करैत भरोस दियौलाह ।

मनरासिश्वा नपामे बुझाओल पत्र बिद्यालय रहल वार्ड नं.९के वार्ड अध्यक्ष, जिला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी, जिला शिक्षा समन्वय समिति एवं जिला समन्वय समिति महोत्तरीकेँ सेहो बोधार्थ बुझाओल गेल छै । से जनतब बथनाहा निवासी अजय राउत सीमाञ्चल समदियाकेँ देलक ।

दश कक्षा धैर पढ़ाइ हुअबाला उल्लेखित विद्यालयमे २५ बिघा जग्गह छै । जाहि मादे कतेको लोक कब्जा जमबैत आएल तैयो अखनो १८ बिघा जग्गह छैहे । पोखरिस’ वार्षिक पचास लाख आमदानी आबैत अछि, आओर जग्गहके बाते छोड़ल जाए, ओकर हिसाब किताब सेहो अभिभावक सभकेँ नइ दरहल छै । से समेत आरोप लगबैत आक्रोषित बनल छल । अइ सम्बन्धमे प्रअस’ सम्पर्क नइ हुअ सकल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
बीपीके पुण्यतिथिमे शैक्षिक सामग्री, पोषण आहार वितरण
२०८० श्रावण ७, आईतवार १०:०७
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
पुस्तकप्रति जन-जागरुकता बढाबलेल प्रदर्शनी
२०७९ पुष १९, मंगलवार २१:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
शैक्षिक सुधार हेतु समाजिक जागरुकता चाहीःशिक्षामन्त्री
२०७९ भाद्र २९, बुधबार २३:२४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जनकपुरधाममे ७८ सर्जकके सम्मानक तयारी
२०७९ भाद्र १५, बुधबार २३:५०
सीमाञ्चल समदिया
समृद्धनगरके अभियान पुरा करताह मिथिला नपाके मेयर महतो
२०७९ असार १२, आईतवार ०५:४०
सीमाञ्चल समदिया