भेटेरिनरी दबाई बेचबाला दोकानमे छापामारी,म्याद गुजरल सूइया-दबाई पकराएल

२०७७ पुष २४, शुक्रबार १४:४५
सीमाञ्चल समदिया

  • 30
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम  । भेटेरिनरी अस्पताल तथा पशुसेवा विज्ञ केन्द्र धनुषा हरकतमे आएल छै । शुक्रदिन पशु-पन्छी एवं कृषि जन्यक्षेत्रमे उपयोगमे आबबाला सूइया-दबाई बिया, आदि बिक्रीकर्ता सभकेँ दोकानमे छापामारी कएलगेल ।

सम्बन्धित दोकानसभमे बिक्री कएल जाएबाला दबाई सतिहके सामग्री कतेक गुणकारी छै, अथवा सालगस्ती म्याद गुजैरगेल त’ बिक्री नइ कएल जारहल छै तेकर जांच-पड़ताल हेतु अनुगमनी छापामारी कएलगेल । ज्ञानकेन्द्रके प्रमुख डा.जिवेन्द्र झाके अगुवाईमे संयुक्त अनुगमन समूह खटल छल ।

समूहमे जिला प्रशासन, जिला प्रहरी,धनुषा एवं नापतौल तथा गुणस्तर कार्यालयकेँ प्रतिनिधिसभ अनुगमनमे सामेल छल ।
छापामारी क्रममे जनकपुरधामके भानुचौक स्थित जानकी भेट फर्मा नामक दोकानस’ म्याद गुजर दबाई भेटल जाहिके नियन्त्रणमे        लेल गेल । संगेसंग नेपालमे बेचब अनुमति नइ रहल तेहनो दबाई सभ भेटला पर दबाईसभ अनुसन्धान हेतु नियन्त्रणमे लेलगेल ।

जनकपुरधामके आन दोकानसभमे सेहो अनुगमन करैत म्याद गुजरल दबाई भण्डारण दोकानस’ हटाक अलगे स्थानमे राखल जाए, सूईयासभ फ्रिजमे राखब हेतु तापक्रम मेन्टेन क’क’राखल जाए से नसिहत समेत सम्बन्धित दोकान्दार सञ्चालक सभकेँ देलगेल जनतब भेटल अइ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
४ दिनस’ हरोर मचबैत आएल बाघ सीमापार धराएल
२०७९ पुष २८, बिहीबार १७:४६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सप्तरी क्षेत्र नं.-२मे डा.राउतप्रति जनमत, यादव पछुआएल
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १४:०३
सीमाञ्चल समदिया
पश्चिम नेपालमे फेर दलकी आएल
२०७९ कार्तिक २६, शनिबार २३:११
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
स्वर्ण व्यवसायीसभ भरल सभामे सपथ खयलाह
२०७९ आश्विन १६, आईतवार १२:१७
सीमाञ्चल समदिया