भूमिहीन नेपालीलेल भूमि व्यवस्थापन पर अन्तरकृया

समाजस’ व्दन्द कलह निघंटाब लेल भूमि व्यवस्थापन होएत

२०७९ भाद्र ८, बुधबार १९:४२
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 41
    Shares

जनकपुरधाम । भूमिहीन नेपाली नागरीकके भूमिके व्यवस्थापन कएल जाए लेल नेपाल सरकार राष्ट्रिय भूमि आयोगके गठन कएने छै । जिला समन्वय समिति धनुषाके अध्यक्ष राजनन्दन मण्डल बतोलाह ।

 

‘‘ गाँस वास आ कपासके हरेक नागरीककेँ उपलब्ध होबक चाही । जाबतधैर जीवनके अति आवश्यक तीनु आधारभूत सेवा उपदलब्ध नइ होएत समाजस’ व्दन्द कलह नइ निघंटत । ’’ अपन धारना राखैत अध्यक्ष मण्डल सेहो तर्क देलाह ।

 

राष्ट्रिय भूमि आयोग धनुषाव्दारा आयोजित अन्तरकृयामे प्रमुख अतिथिके रुपमे अध्यक्ष मण्डल सामेल छलाह । जिला समन्वय समितिके प्रेक्षालयमे बुददिन बेरियामे अन्तरकृया कार्यक्रम भेल । आयोगके धनुषा अध्यक्ष सुरेश कोइरालाके सभापतित्वमे अन्तरकृयाकएलगेल छल ।

 

कार्यक्रममे मालपोत कार्यालय, नापी कार्यालय, भूमि सुधार कार्यालय सहितके सरोकारी निकायसभके प्रमुख सभकेँ सहभागिता छल ।
तहिना धनुषा जिला भैरके स्थानीय सरकार प्रमुखसभके सेहो सामेल कराओल गेल छल ।

 

जनकपुर जनकचौकमे भूमिहीन कहाबबालासभके दिशशस’ महिना दिनस’ धर्ना-आन्दोलन जारी छै । हुनकसभकेँ मांग पर समेत ओयोगके ध्यानाकर्षण भेल छै । समस्याके निकास लेल सहभागी सभ सरोकारबालासभकेँ निर्देशन कार्यक्रम मादे देलगेल छै ,सेहो जनतब भेटल ।

 

कार्यक्रममे जनकपुरधाम उमहानगर पालिकाके मेयर मनोजकुमार साह अपन धारना राखैत ग्रामिण भूमिहीनतास’ शहरी भूमिहीनलोककेँ बेसी समस्या छै । गामसभमे खुजल परती परात पर सेहो लोक बैस जाइत छै ।

 

साहु महाजनके दया मायास’ सेहो घर गोहिया बनाक गुज्जर कलैत छै । मुदा शहरीक्षेत्रमे तेहन बात नइ छै । शहरी गरीबि अन्त हेतु हमसभ सेहो डठोस नीति अख्तियार करी आ ओहि पर गम्भिरतास’ अमल होबक चाही ।

 

जनकपुरधाम उपमहानपा शहरीक्षेत्रमे भूमिहीन सभकेँ तथ्यांक एकिन क’क’ निकासक बाट दिश काज करहल छै सेहो धारना मेयर साह रखलाह ।कार्यक्रममे भूमि आयोगके सदस्य रामगोविन्द यादव, मिथिला विहारी नपाके मेयर राजेन्द्र यादव सहितक सहभागी सभ सेहो सामेल छलाह ।

 

‘ भूमिहीनके समस्या एवं समाधान’ हेतु आयोजन कएलगेल अन्तरक्रिया कार्यक्रममे धनुषा जिला भितर कूल १८ नगर एवं गाम पालिका मादे तीनटा पालिकासँगे मात्र सम्झौता करब बांकी छै ।

 

राष्ट्रिय भूमि आयोग भूमिहीनसभके समस्या समाधान हेतु प्रक्रिया अगा बढौने छै । जाहिमे १५ टा पालिका भूमिहीनके समस्या समाधान हेतु अग्रसरता देखौने छै । सहमति सम्झौता आयोगसंगे कएने छै । आयोगके प्रवक्ता समेत रहल रामगोविन्द यादव बतौलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
फूटपाथी खुरपातीस’ जनकपुरधाम कोना जोगत
२०७९ आश्विन २७, बिहीबार २२:१५
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया