भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत

आठगोट संस्थाव्दारा सपथग्रहण बिरुद्ध ज्ञापन

२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal

  • 46
    Shares

जनकपुरधाम । जाहि भाषाके कतहु कनेको लसेर नइ छै ताहि भाषामे सपथ खाक’ अपनाके सुरखुरु कहाब चाहने डा.चन्द्रकान्त राउत(सी.के.राउत) लोकस’ दुरजरु होब लगलाह ।

 

सरकारी तथ्यांक अनुसार देशभैरमे बाजल जायबाला कूल १२३ भाषामे कतहु मधेशी भाषाके दरस नइ छै । देशमे एहो भाषा छै ताहिके केओ जनबो नइ करैत छै । तथापि नवविवाद शुरु कराक सुरखुरु कहाब चाहने छैथ ।

 

जनमत पार्टीके राष्ट्रिय अध्यक्ष सीके राउत बितल पुष ७गते प्रतिनिधिसभा सदस्यपदके सपथ-ग्रहणमे प्रयोग कएल भाषा अवैधनिक एवं मर्यादा विपरितके भाषा रहल ठहर करैत एतह बिरोध दर्ज कएलगेल छै । संगेसंग हुनकाप्रति खेद सेहो आठटा संस्था सामूहिक रुपमे व्यक्त कएने छै ।

 

नेपालके संविधान २०७२मे कएलगेल व्यवस्था अनुसार राष्ट्र एवं राष्ट्रिय भाषाके प्रष्ट व्याख्या कएने छै । भाषा आयोग सेहो जारी कएने भाषिक तथ्यांकमे डा.राउत लेने सपथ ओ कोनो भाषा नइ रहल ठहरैत छै ।

 

नेपाल सरकारके आधिकारिक निकायसभ चिन्हबे नइ करैत छै ; नइ कहियो केओ तेहन भाषाके नाम जनलक सुनलक, ओहन मधेशी भाषामे सपथ ग्रहण क’क’ देशमे संसद सचिवालय भाषा विवाद खाड़ कएलक अइ ।

 

संसद सचिवालयके एहन कृयाक्लापस’ १२३ मातृभाषा आ मातृभाषीसभकेँ भावना पर घुठाराघात करब कराबके काज भेल छै, सेहो ठहर आठगोठ संस्थाव्दारा संयुक्त रुपमे जारी विज्ञप्तिमे कएलगेल छै ।

 

सरकारव्दारा कायम कएलगेल आधिकारिक भाषा बाहेकके भाषामे लेलगेल सपथ ग्रहण रद्द कएल जाए एवं पुनः आधिकारिक १२३ मातृभाषा मादे जे मातृभाषा जनमत अध्यक्ष डा.सीके राउतके होइन ओहिभाषामे सपथ ग्रहण कराक संविधान कानुनके अपमान होबस’ रोकल जाए ; ओ भूल सुधार कएल जाए ओहन आश्य युक्त ज्ञापनपत्र सम्बन्धित निकायसभमे सेहो बुझाओल गेल छै ।

 

संगहि आगामी पुष १५ गते होबबाला मधेश प्रदेश सभासदस्य सभकेँ सपथ ग्रहणमे सेहो नेपाल सरकारके आधिकारिक संस्थासभके सूचीमे सूचीकृत नइ भेल भाषामे सपथ ग्रहण नइ कराओल जाए लेल सेहो बुझाओल गेल ज्ञापन पत्रमे अनुरोध कएलगेल छै ।

 

बुधदिन मधेश प्रदेशके प्रादेशीक संसद सचिवालय जनकपुरधाममे संसद सचिवालयके सचिव रञ्जितकुमार यादवके ज्ञापनपत्र हस्तगत कएलगेल ।

 

सम्बन्धितसभके ध्यानाकर्षण कराबबाला मिथिला नगरि जनकपुरधामके संस्थासभमे मैथिली विकास कोष, मिथिला नाट्यकला परिषद्, मैथिली साहित्यकारसभा, रामानन्द युवा क्लब, रङ्गवाटिका नेपाल सामेल छैथ ।

 

तहिना सप्तरी जिलाके मैथिली साहित्य परिषद्, मिथिला साहित्य कला प्रतिष्ठान, नेपाल मिथिला प्रज्ञा-प्रतिष्ठान, सर्लाही सेहो सामेल छै ।

 

उल्लेखित संस्थासभकेँ अध्यक्ष क्रमशः जीवनाथ चौधरी, परमेश झा, मनमोहन साह, प्रेमविदेह ललन, सतीशकुमार दत्त, रमीला साह, गणेशकुमार लालके हस्ताक्षरित पत्र बुझाओल गेल छै ।

 

एकर अतिरिक्त मिनापक पूर्वअध्यक्ष सुनिल मल्लिक, गीतकार अशोक दत्त, युवा पत्रकार तथा सहित्यकार श्याम सुन्दर शशी, उपेन्द्रभगत नागवंशी, रङ्गदर्पणके अध्यक्ष रीतेश साह पाटली,सहितके मैथिली भाषा अनुरागी अभियानीसभ सामेल छलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया