सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । भारतीय सिने अभिनेत्री ज्याकलिन फर्नाडिज अवैध रकम बैंकमे जम्मा छल ओ जब्द कएलगेल छै ।
श्रीलंकाके मूलनिवासी ज्याकलिन भारतके मायानगरि मुम्बईमे रहैत आएल छै । हिन्दी सिने उद्योगमे नीक नाम दाम एवं प्रसिद्धी कमा रहल छैथ ।
‘मनिलौण्ड्री’के रकम ओ बैंकमे फिक्स डिपोजिटमे रखने छलीह । भारतीय जाँच एजेन्सीस’ सुराग भेटला पर श्रोत नइ खुजल रकम ठहर भेला पर हबालाके मादे आएल ओ रकम जब्द कएलगेल छै ।
जब्द कएलगेल अबै श्रोत नइ खुजल रकम ७ करोड १२ लाख भरतीय रुपैया रहल छै । से जनतब विभिन्न भारतीय सञ्चार माध्यम सब जनौने छै ।
प्रख्यात मणिलौण्ड्रीके मास्टर माइन्ड मानलगेल सुदेशचन्द्र नामक व्यक्तिीव्दारा ज्याकलिनके बैंकखातामे सात करोड़ बारह लाख टाका जम्मा भेल छल । भारतके प्रवर्दन निर्देशनालय एकर खुलासा करैत रकम जब्द कएने छै ।
दू वर्ष जतेक पहिने भारतीय सिने अभिनेता सुशान्त सिंहके हत्या-मृत्यु प्रकरणमे सनाएल रीया चक्रबतीके प्रक्राउ पछाइत कतेको सिने हस्तीसभ खोजी समूहके निशानामे छल । अनुसंधान एकतरहें जारी छल ।
जाँच क्रममे ज्याकलिनकेँ बैंक खातामे हबालाके माध्यमस’ उल्लेखित रकम आएल बात सार्वजनिक भेल छै । थप जांच पड़तालमे अभिनेत्री ज्याकलिन पर सेहो कार्यवाही होब सकैए तेहन आशंका सेहो व्यक्त कएल जारहल छै ।
चुनावी सन्देश—
प्रतिक्रिया