सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपालके दक्षिणी सीमाक्षेत्रके सबल परोसी देश भारतके पाँचराज्यमे विधानसभाकेँ निवार्चन भेल छल । आइ आएल निर्वाचन परिणाम अनुसार भारतीय जनता पार्टीकेँ सत्ता पुनः कायम हुअ लागल छै ।
भारतके सभस’ अधिक जनसंख्याबाला प्रदेश उत्तरप्रदेशमे सत्तारुढ़ भाजपाकेँ साख अहुबेर आपार बहुमत संग बाँचल छै । मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथकेँ कार्यशैली एवं लोकप्रियता जनजनमे पसरल छै तैँ पुनः मुख्यमन्त्री बनब पक्का भगेल छै ।
उत्तरप्रदेशके कूल ४०३ बिधानसभा सीटमध्ये ईसमाचार लीखबधैर २७२ सीट प्राप्त भचुकल छै । एवं दश सीटपर बढ़ोतरीमे चैल रहल छै । तहिनास माजवादी पार्टी १२६ सीट,बहुजन समाजवादी पार्टी-१,काँग्रेस-२सीट अन्य २ पर आनिक बिजय भचुकल छै ।
अहितरहें पूर्वी उत्तरी भारतकेँ मणिपुरके कूल ६० विधानसभा क्षेत्रमे ४५ सीटके परिणाम आइब चुकल छै । भाजपाकेँ सरकार बनब सुनिश्ति भेल छै । मणिपुरमे भाजपाके २३, काँग्रेसके ०४ एपीएफ-४एवं एनपीपीके ६ अन्य शेष परिणाम आबके बांकी छै ।
भारतके दक्षिणीप्रान्तमे समुद्रतटस’ सटल राज्य‘गोवा’मे कूल ४० विधानसभा सीटमे भाजपाके १९, काँग्रेस-१२ एमजीपी-३ आम आदमी पार्टीके ३ एवं अन्यके सेहो ३ सीट आएल छै ।
देवभूमि हिमाली पहाड़ी राज्य उत्तराखण्डमे कूल ७० विधानसभामादे भाजपाके ४८ सीट काँग्रेसके १७, बिएसपीके २ एवं अन्य दलके ३ सीटके बढ़त भेल छै ।
विभिन्न भारतीय बिधुतिय सञ्चार माध्यमस’ भेटल जनतब अनुसार पञ्जाब प्रान्तमे आम आदमी पार्टीके बहुमत प्राप्त भरहल छै आ सरकार बनाएत ओ सुनिश्चित भेल छै ।
पञ्जाबमे कूल ११७ विधानसभा सीटमे आम आदमी पार्टीकेँ ९२ सीट, काँग्रेसके १८ सीट, आकाली दलके ४ सीट एवं भजपाके २ सीट एवं अन्यके १ सीट प्राप्त भेल छै । दिल्लीके मुख्यमन्त्री अरबिन्द केजरीवाल नेतृत्वके दल आपके सरकार पंजाबमे बनत ।
भारतीय प्रधानमन्त्री भाजपायी नेता नरेन्द्र मोदीके लाकप्रियता एवं हुनक नेतृत्वके सरकार जनजनके अपेक्षा पर खाड़ उत्ेर रहल छै तकरे परिणति छै जे पुुनः ४ प्रान्तमे बहुमत प्राप्त करएमे आ सरकारबनाबमे सफल भरहल छै ।
प्रतिक्रिया