सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । महोत्तरी जिलाके भंगाहा नगरपालिकामे एहिबेर फेरुस’ लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टीकेँ उम्मेदवार बाजी मारत ओहन सम्भावना प्रवल बनैत जारहल छै ।
लोसपास’ सम्बद्ध योग्य जुझारु एवं कर्मठ मेयरके उम्मेदगर उम्मेदवार अहूबेर सञ्जीवकुमार साहके देखल जारहल छै । लोकके मोन जीतक काज करैत अएलाहस’ पार्टीके विवास पात्र साह बनल छैथ ।
लोसपामे विभिन्न दल एवं स्वतन्त्र लोककेँ जोइरक नगरक्षेत्रमे पार्टीके संगठन सेहो साह मजगुत करैत आएल छैथ ।
भंगहा नपाके निवर्तमान मेयर साह आगामी ३०गते होबबाला स्थानीयतहके निर्वाचनमे सेहो मेयरके सबल उम्मेवार बनल छैथ ।
नेपाली कांग्रेस नगर कार्यसमिती भंगहास’ मेयर लेल नाम प्रस्ताव आ सिफारिस समेत भेल लोककेँ अपनासंग करएमे सफल भेलाह ।
भंगहा वार्ड न.४ के युवा काँग्रेसी धर्मेन्द्रकुमार महतो नेकाँ त्याइगक आइ बेरियामे लोसपामे प्रवेश कएने छैथ ।
प्रतिक्रिया