सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । उद्योगी ब्यापारीसबके समस्या आ पीड़ा निदान लेल धनुषा चेम्बर अफ कमर्स सभकेँ एकजुट हुअ लेल प्लानिङ्ग कएलक ओ जनतब भेटल । उद्योगी, ब्यापारीके टेक्स-रकमस’ दरमहा-भत्ता खाइत पोसाइत आएल सरकारी सब निकायके कर्मचारी उद्योगी, ब्यापारीके तह लगाब जोकर नीति अख्तियार कएने छै जाहि प्रति आपत्ति जनबैत एकजुटताके जमौरा करए लागल छै ।
‘‘जकरे खाएब तकरे गरियाएब !’’ ‘‘ जकरे घर घूर तापि तकरे बोंग दागी ’’! मिथिला समाजकेँ ई पुराण कहबीकेँ चरितार्थ वर्तमान सरकारकेँ कार्यशैलीस’ होइत छै । सरकारी तेहन रबैया एवं सरकार आ सरकारी टहलुसभकेँ खबरदारी हेतु, अपन उद्योगी ब्यवसायीसभकेँ ओहि बिरुद्ध एकताबद्ध करब लेल चेम्बर्स बृहस्पति दिन बैसार आह्वान कएने छै । से जनतब चेम्बर्सके कृष्णदेव महतो सीमाञ्चल समदियाकेँ देने छै ।
कोरोना महामारीकालमे सेहो कर्मचारीसभ दरमाहा-भत्ता पाइबे रहल छै । ब्यवसायीसभ सरकारी टेक्स, बैंक ब्याज, घर-दोकान भाड़ा, सहितके आर्थिक ख़र्चके माइर खेपीए रहल छै । तेहन बिकट समयमे लकडाउन-बनदाबन्दीके नाममे उद्योगी ब्यापारीसभकेँ धरासाही बनाबलेल दोकानदौरी बन्न करादेब ।
मुदा सीमामे कड़ाइ नइ करब माल सामान आबाजाही नइ रोकब आ ब्यापारीवर्गकेँ कुँहैर कुँहैरक मरब लेल बाध्य करब, एहन षडयन्त्री खेल बन्न हुअ चाही । से मांग आ चेतौनी दैत । सरकारी सडयन्त्रके बिरोधमे सम्पूणर् उधोगी ब्यापारीकेँ एक जुट भ’क’ बैसारमे आब लेल आग्रह कएने छै । संगै संग किछु उचित मांग सभ सेहो सार्वजनिक कएने छै ।
सार्बजनिक पद धारण कएने सरकार प्रमुखस’ स्थानियतह धैरके जनप्रतिनिधिसभ अपन अपन दरमाहा भत्ता सहितक सेवा सुबिधा अखनुका बिकट घड़ीमे जनताके पीड़मार्का निवारण हेतु लगाबए ;
उद्योगी-ब्यापारीसभके समस्याको ध्यानमे राखिक घर-दोकान भाड़ा, बैंक ब्याज, सरकारी कर माफ क’क’ राहत प्रदान कएल जाए ;
कोरोना महामारीके ओजहस’ आम्दानी बन्न भेल एवं आर्थिक संकटमे समेत रहल ब्यापारी-ब्यवसायीसभकेँ लकडाउन अवधि भैर खाद्यान्न सामग्री निःशुल्क उपलब्ध कराओल जाए ;
आइसोलेशन, क्वारेंनटाइन एवं कोभीड अस्पतालके यथाशीघ्र उचित ब्यवस्थापन कएल जाए ;
सीमावर्तीक्षेत्र पूणर्तया सील-बन्द कएल जाए !
अइ पाँच बून्दे मांग सहितके विषय पर अपन अपन पक्ष राखब लेल आ सहमतिके लेल जनकपुरधामके जनकचौकपर बृहस्पतिदिन बेरियामे चेम्बर सभकेँ बजौने छै । जमघटमे आब लेल आग्रह करैत चेम्बर्सक बरिष्ठ उपाध्यक्ष सरोज मिश्र कोरोना महामारीकेँ ध्यानमे राखैत सरकारी नीयम पालन करैत मास्क लगाक समाजिक दूरी कायम करैत आबलेल आग्रह कएने छै ।
प्रतिक्रिया