सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम अन्तर्गत गुठी अधिनस्त रहल सयकड़ो बिघा भूमिके ब्यवस्थापन सरोकारी निकायस’ नइ होब सकल । जाहि कारणस’ भूमि अतिक्रमण होइत गेल । आब ओ सब भूमिके अतिक्रमण मुक्त करब हेतु योजना तयार भरहल छै ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका वार्ड नं.२३ के रामजानकी बेलाकुट्टी अन्तर्गत गुठीअधिनके बिघाके बिघा भूमि अतिरक्रमण भेल छै । ओतहिस’ अतिक्रमण मुक्त अभियानके शुरुवात कएल जाएत ।
किछु समूहगत रुपमे गुठीके जग्गह भाड़ामे लेने छै । मुदा जे प्रयोजन हेतु भूमि लेने छै ओहि प्रयोजन बिपरित अबैधानिक भवन निर्माण क’क’ ब्यक्तिगत उपयोग करैत आएल छै । बिक्री वितरण कएने छै ।
अइ काजमे जनकपुर गुठी कार्यालयके तत्कालीन हाकिम राजाबाबु पाण्डे सहित समय-समय पर आएल हाकिम कर्मचारीके मेलपाँचमे अतिक्रमण बेसी भेल । आब ओ सभ हटाबके बेर आइब गेल छै ।
रामायण सर्किटके काज विस्तार एतहु होएत, धार्मिक नगरि जनकपुरधामके ओ भूमि धार्मिक सांस्कृतिक प्रयोजन हेतु उपयोग, एवं व्यवस्थापन कएल जाएत । ताहु दुआरे अतिक्रमण मुक्त कराबके काज शिघ्रतास’ होएत । गुठीके केन्द्रिय कार्यालयके प्रमुख पुण्यप्रसाद भुषाल बतौलाह ।
बेलाकुट्टी अधिनस्त गुठीके जग्गह अतिक्रमण मुक्त कराबके सन्दर्भमे वार्ड नं.२३के नवनिर्वाचित अध्यक्ष राघबेन्द्र प्रसाद साहके तत्सम्बन्धमे चाँइख रखलाह । जाहि सम्बन्धमे आइ भिन्सर ७ बजेस’ गुठीके केन्द्रिय अध्यक्ष भुषाल, जनकपुर गुठीके हाकिम बैकुण्ठ रेग्मी एवं जनकपुरधामके समाज सुधारक युवा, किछु सञ्चारकर्मीसभबीच छलफल कएलाह ।
नवनिर्वाचित वार्ड अध्यक्ष साह सपथग्रहण पछाइत जनभावना अनुसार बेलाकुट्टी के अतिक्रमित भूमि खाली कराबमे अग्रसर रहब भरोस दियौलाह । मुदा अइ काजमे गुठीके इमान्दार होब पड़लै,
लीजके नाम पर देलगेल भूमिमे सहमति वीपरित काज करबालाके लीज अबधि निरस्त कएल जाए,गुठी प्रमुखस’ आग्रह कएलाह । २३ नम्बर वार्डके जनता अतिक्रमणकारीसभके भंगाबमे भूमिअतिक्रमण मुक्त कराबमे कनेको कसर शेष नइ राखत सेहो धारना रखलाह ।
गुठी केन्द्रिय प्रमुखके कहब अनुसार जनकपुरधामक्षेत्रमे १८७ बिघा जग्गह विगतस’ वर्तमानधैर अतिक्रमन भेल छै ।
स्मरनीय छै श्री सीताराम दुलहा-दुलहीन भगवान बेलाकुट्टीके नाममे १५ बिघा,१५ कठ्ठा भूमि लालपुर्जामे छल । ओना १७ बिघा जग्गह छलै । २०६० सालमे ओ भूमि गुठी अधिनमे संरक्षण करब हेतु आनलगेल ।
तेकराबादस’ अतिक्रमणके नवनव बिधना रचैत भूमाफिया, गुठी कर्मचारी, प्रशासनसभ मीलक अतिक्रमण कराबमे सहयोगी भेल । बेलाकुट्टीके भूमि प्राय अतिक्रमण भचुकल छै ।
बांकी रहल जग्गह मध्ये ४ बिघा बस पार्कके, साढ़े ५ बिघा गजेन्द्रनारायण सिंहके नाम पर कायम प्रतिष्ठानके नाममे, डेढ़ बिघा विश्वभारती फाउण्डेशन नामक नामधारी संस्थाके लिज पर देलगेल छै । जेकर उद्देश्य किछु काम किछु छै ।
एहन आरोप बेरबेरलगैत आएल छै । गुठीके मीलोमतोमे भूमि बेचक रकम कमाएके काज ओहि संगठन मादे भरहल जनतब बैसारमे समाज सुधारक बिन्धी निवासी केबल शर्मा बतौलाह ।
जाहिबातके केन्द्रिय प्रमुख सेहो स्वीकार करैत आब रोकल जाए कहलाह । गुठीस’ ५ कठ्ठा भूमि जिला ट्राफिक कार्यालयके भवन निर्माण हेतु देलगेल छै ।
तहिना ५ कठ्ठा बस ब्यवसायी संघके अध्यक्ष मनोज चौधरी अपन नीजी प्रयोजन हेतु लीज पर लेने छै । सेहो जनतब जनकपुर गुठीके हाकिम बैकुण्ठ रेग्मी छलफलमे देलाह ।
स्थानीय जनताके सहयोगस’ प्रशासन, सुरक्षा निकाय, नगरपालिका समेतस’ समन्वय क’क’ धार्मिक महत्वके भूमि आस्थास’ जुड़ल पौराणिक स्थलके जोगाब लेल, संरक्षित करबलेल हम रतियो भैर समय नइ लगाएब ।
अहि काजमे कृयाशील रहब ओ वचनबद्धता दैत वार्डनं.२३के नवनिर्वाचित अध्यक्ष राघबेन्द्र साह प्रतिबद्धता कएलाह ।
दूघण्टाके छलफल पछाइत गुठीके केन्द्रिय प्रमुख भुषाल सेहो बेलाकुट्टीके अतिक्रमित भूमि खाली कराबके काज एकमहिना भितरिमे पुरा करब ओहि पर सहमति भेल बतौलाह ।
छलफल कार्यमे वार्ड नं.२३के नवनिर्वाचित वार्ड अध्यक्ष राघबेन्द्र प्रसाद साहके अतिरिक्त स्थानीय समाजसेवी भद्रलोक योगेन्द्र साह, रामेश्वर साह, डा. शम्भु साह, ई. मुकेश साह, प्रा.रमेशकुमार साह, सफिकुल्ला राइन, बेचन मुखिया, गयासुदिन साफी, एसपी खबरके सम्पादक, अडिटर दीपेन्द्र साह सामेल छलाह ।
तहिना गणेश युवा कमिटीके अध्यक्ष सन्तोषकुमार महतो, पूर्वअध्यक्ष सन्तोष साह, सुनिल दास एवं सञ्चारकर्मी श्रीनारायण साह, कमल साह, सीमाञ्चल सम्पादक उपेन्द्रभगत नागवंशी सहितके लोक समोल छलाह ।
प्रतिक्रिया