सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । ‘हमर नेता वार्ड अध्यक्ष राघबेन्द्र साहके जान-प्राण खतरामे छै । प्रशासन हमरा सुरक्षा आ न्याय दिय ! बेलाकुट्टी लग रहल आतंकवादी पर कारवाही करु अतिक्रमित भूमि खाली कराउ’ !
एहि तरके दर्जनो शब्दावली समावेस कएलगेल नारा धनकबैत जनउसासी लोकसभ अखनु स्थानीय प्रहरी प्रशासनीक निकायके घेराउ क’क’ ज्ञापन-पत्र बुझाबके काज कएने छै ।
जनकपुरधाम वार्ड नं.२३के ‘नागरीक समाज’के अगुवाईमे नगरमे जुलुस प्रदर्शन करैत ई समाचार लीखबधैर १२.३०बजेधैर जिला प्रहरी कार्यालय एवं जिला प्रशासन कार्यालय धनुषामे ज्ञापन पत्र बुझाओल गेल छै ।
शान्तिपूर्णजुलुसके नेतृत्वकर्ता नागरीक समाजके संयोजक केवलकुमार शर्माके नेतृत्वमे प्रतिनिधि मण्डल प्रहरी प्रमुख एवं प्रशासन प्रमुख समक्ष जाक ज्ञापन पत्र बुझौलाह ।
‘‘धनुषा जिला साबिक बेला गाउँमे अवस्थित ‘श्री राम-जानकी दुल्हा भगवान कुट्टी’के स्थानीय समाजसेवी एवं दातासभ भूकि दान कएलक । जे भूमि १७ बिघा १५ कठ्ठा क्षेत्रफलके छै ।
किछु समय एम्ह किछु मूठ्ठीभर भू-माफिया बेलाकुट्टीमहन्थ एवं गुठ्ठीके मतियारसभसंगे मीलक कुट्टीके जग्गह अतिक्रमण करौने छै ।
सर्वसाधारणके बहला फूसलाक हुनकासभस’ मोटगर रकम ल’क’ धार्मिक, सांस्कृतिक पुरातात्विक महत्वके बहुमूल्य भूमिके कब्जा कराबके काज भेल ।
ओहिपर कब्जा जमौलाबाद भूमिके खाण्डीत क’क’ गैरकानुनी रुपस’ बिक्री वितरण समेत किछु तत्व करैत आएल छै । तैस’ सम्पूर्ण वार्ड नं.२३के वासी उक्त दान देल भूमिके धर्म-संस्कृतिके रक्षार्थ सार्वजनिक भूमिके अतिक्रमणकारी जे ब्रह्मलुट मचौने आइब रहल छै ।
तेकरा कानुनी पयनास’ डेगबैत ठीक कएल जाए । नैतिकविहिन दानवीय लोक भ्रष्ट, पतीत दुष्टआत्मा, गैरसामाजिक गुण्डातत्व, बिध्वंसकारी, धर्मबिरोधी अतिक्रमणकारीसभस’जगह मुक्त कराओल जाए ।
ओ माग बुझाओलगेल बिज्ञप्तिमे कहलगेल छै । ओहि काज हेतु भूमि अतिक्रमणकर्ता प्रति कठोर कार्यवाही कएल जाए एवं सार्वजनिक जनताके सम्पति जनताके घुरता कराबमे सहयोग समन्वय कएल जाए !
अन्यथा हमसभ नागरीक समाज कठोर एवं कड़ संघर्षक तयारी करब पर बाध्य होएब ओहो चेतौनी संयोजक शर्मा हस्ते बुझाओल पत्रमे गुठी संरक्षणके नाम पर भक्षण कएलक, कहलगेल छै । एहिसभ सहितके के निकास लेल आग्रह प्रहरी प्रशासनके बुझाओल गेल ज्ञापनपत्रमे उल्लेख कएलगेल छै ।
प्रतिक्रिया