बेकम्मा सरकारी नीतिःजनतास’ मंगनीलेल रक्तके दाम साढ़े १६सय

२०७९ जेष्ठ २१, शनिबार १५:००
सीमाञ्चल समदिया

  • 5
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । देश आ जनताके उत्रम स्वास्थ होए ओहि लेल राज्यपक्षके हरेक प्रयास करैत रहब अनिवार्यता होइत छै ।

राज्यके नागरिकव्दारा समय समय पर दान कएल जाएबाला रक्तके रकम असुलब काज राज्य हंकबैयाव्दारा होइत छै । तेकर एकटा उदाहरण अइ समाचारसंग रहल पत्रके अध्ययनस’ लेल जासकैए ।

‘राष्ट्रिय जनस्वास्थ्य प्रयोगशाला’ टेकु काठमाण्डौव्दारा निर्गत पत्राअनुसार रक्तके प्रति युनिट ८१० स’१६४० टाका रकम लेल जाए लेल कहलगेल छै ।

जे रक्त लोक रक्तदान जीवन दानके भावनास’ दान करैत छै ओकर मूल्य सरकारके सरोकारी निकाय असुल उपर करब हेतु सचिबस्तरीय बैसारस’ निर्णय क’क’ देशभैरके रक्त भण्डार बैंक आदिके निदेर्शित कएने छै ।

समान्य शुल्क लेल जासकैए जे लेलजाए चाही मुदा आठ सयस’ डेढ़ हजारधैर रकम लेब अनुचित छै ।

अइस’मंगनी लेल मानवरक्षक नाम पर संग्रहीत कएलगेल रक्तके मानवरक्षाके लेल मोल लेब पड़त तेहन आपत्ति जनक व्यवस्था कएलगेल छै ।

प्रयोगशालाके निर्देशक डा.रुणा झा हस्ते पत्र जारी भेल छै ।

२०७९ जेष्ठ-१८ गते जारी च.नं.१२६४ के निर्गत पत्रमे नेपाल सरकार स्वाथ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके २०७८/१२/२२ गतेके सचिव स्तरीय बैसारके निर्णयस’ सेवा शुल्क समायोजन क’क’ उल्लेखित अनुसारके रक्तके दररेट कायम कएल गेल, कहलगेल छै ।

कायम कएलगेल दर अनु्सार शुल्क ल’क’ रक्त सञ्चार केन्द्रसभ रक्त उपलब्ध कराबए । ओहि हेतु रक्त सञ्चार केन्द्रसभके पत्राचार कएलगेल बुझमे अबैत छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया