जनकपुरधाम । जनकपुरधाम नगरक्षेत्रके प्रमुख स्थानसभमे हाइमास्क लाइटस् लगाओल गलाबादो बारब काज नीयमीत रुपस’ नइ भपाइब रहल छल । आब नीयमीत बिजली-बौल बरैत रहत ओहन ब्यवस्थापन काज कएलगेल छै ।
हाइमास्क लाइटस् बरत ओकर बिधुत महसुल रकम के बुझाओत, बिगरत त’ मरम्मत सम्भार, रेखदेख के करत ओ चुनौती बनल छल । ओहि सभ चुनौतीके निपटारा करैत नीयमीत बिजली बड़ैत रहए ओहन ब्यवस्थापन आइस’ कएलगेल छै ।
बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद्के अध्यक्ष एवं समाज सुधारक अग्रज पत्रकार शितल साहके अग्रसरतामे वर्षोस’ बन्न रहल हाइमास्क लाइटस् नीयमीत बारब काज शुरु कएलगेल छै ।
जनकपुरधामके ऐतिहासिक रङ्गभूमि मैदान बारह बिघामे ४ टा हाइमास्क लाइट लगाओल गेल छै । बरकीटा पोलमे लगाओल गेल बिजली बौलस’ पुरा बरबिघा जगमगा उठैत छै ।
.
मुदा सात-आठ वर्षस’ खम्हा गड़ाएल बिजली लगाओल गेल मुदा बारब काज मेला ठेलामे मात्र होइत रहल । ओहो बिधुत कार्यालयके नेहोरा बिन्ती कएला पर । नगर पालिका एहिमे सेहो उदासीन रहल ।
एहने अवस्था प्रसिद्ध सरोवर गङ्गासागर पर चारु भैर रहल हाइ मास्क लाइटस्के अवस्था सेहो छल । जेकरा सेहो आइ व्यवस्थित करैत नीयमीत बिजली बारब काज ओरियाओन कएलगेल छै । बारबिघामे दू दिन अगते धनतेरस दिनस’ बारब काज आरम्भ भगेल ।
मूल समस्या छल बिजलीके बिल के भूक्तान करत ओ जिम्मेवारी केओ उठाब लेल तयार नइ छल । बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद् ओ जिम्मेवारी उठौल । बृहत्तर नेपाल बिधुत प्राधिकरणसंगे सम्झौता कएलक अइ ।
सभ हाइमास्क लाइटस् लागल पोलमे मीटर लगबाके काज भेल छै । मीटरमे खपत अनुसारके बिधुत महसुल बृहत्तर बुझाओत ओहि सहमति अनुकूल नीयमीत बिधुत बड़ैत रहत । बृहत्तर अध्यक्ष शितल साह सीमाञ्चल समदियाके बतौलाह ।
भेटल जनतब अनुसार एतेबे काज करब हेतु २८ लाख टकाके बजेट खर्च होएत ओहन लगत इष्टीमेट तयार कएल गेल छल । मुदा अध्यक्ष साहके सुझबुझस’ मात्र डेढ़लाखके बजेटमे काज कराओलगेल छै । इहो बहादुरीके काज भेल बुझएमे आएल ।
बुधदिन अखनु बेरियामे गङ्गासागर एवं धनुषागरबीचमे सार्वजनिक पुस्तकालय परिसरमे रहल हाइमास्क लाइटस्के बारब काज कएलगेल छै ।
ओहिसमयमे बृहत्तर अध्यक्ष साह, प्रशासकीय अधिकृत जितेन्द्र यादव, बिककी चौधरी सहितके कर्मचारी, नेपाल पत्रकार महासंघके पूर्वकेन्द्रिय सदस्य, धनुषाके पूर्वअध्यक्ष अशोक रौनियार, पुस्तकालय सञ्चालक बिप्ती मण्डल, जनकयुवा कमिटीके सदस्यगण सहितक लोकके सहभागिता छल ।
प्रतिक्रिया