सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मध्यपश्चिम नेपालके बूटबलमे प्रहरी हाजतमे रहल एकटा युवककेँ घेंउट रेतक हत्या कएलगेल छै । एहि प्रहरी सुरक्षा उपर फेरस’ पैघ चिन्ह खाड़ भेल छै ।
भेटल जनतब अनुसार बूटबल स्थित वार्डप्रहरी कार्यालय रामनगरके प्रहरी हाजत कक्षमे बन्न रहल युवककेँ जब्बह कएलसन अवस्थामे मरल पाओलगेल छै ।
तामाके तार चोरी भेल उपराग अएलापर बूटबल प्रहरी अनुसन्धान कएरहल छल । जाहि क्रममे ३ किलो तामाके तार कवाड़ा दोकानमे बिक्री करैत अवस्थामा शनि साँझमे पकरल गेल छल ।
रूद्रबहादुर नेपाली नामक युवककेँ शनिदिन पकरलगेल छल । अनुसन्धान हेतु वार्ड प्रहरी कार्यालय रामनगरमे राखलगेल छल । शनि राती आ रबिक दिनभैर हिरासतमे सामान्य अवस्थामे छल ।
सोमदिन दिनमे ३ बजे प्रहरी थुनुवाकक्षमे पेटकुनिए पड़ल आ ओढ़ना ओढ़ने अवस्थामे रहला पर देखलगेल त’ घेँउट रेताएल अवस्थामे परल छल ।
ओ आत्म हत्या करब काज कएने होएत , ईलाका प्रहरी कार्यालय बुटवलके प्रमुख डिएसपी ठगबहादुर केसी ठहर कएने छैथ ।
प्रहरी हाजतकेँ शौचालयके ‘साईफन’ फुटल भेटल छै । ओहि फूटलाहा टुक्रीस’ अप्पन घेंट अपनेस’ काइटक’ आत्म हत्या करब प्रयास कएलगेल होएत । ओहो दाबी ईप्रका प्रमुख केसी पत्रकारसभ समक्ष कएने छैथ ।
दिवंगत नेपालीके अवस्था देखला पर तत्काल उपचार हेतु अस्पताल लजाओल गेल छल । लुम्बिनी प्रादेशिक अस्पतालके आईसियूमे भेन्टिलेटर पर राइखक उपचार कएलगेल मुदा ओ बाँचि नइ सकल ।
अवस्था एहन छल जे घटना सम्बन्धमे मृतकके किछु पुछलो नइ जासकल । तथापि घटना कोना भेल ताहि सम्बन्धमे बिशेष अनुसंधान जारी छै , जिला प्रहरी कार्यालय रूपन्देहीके प्रवक्ता डिएसपी नवरत्न पौडेल बतौने छैथ ।
घटना संकास्पद छै । प्रहरी हिरासतमे रहल व्यक्तिकेँ जब्बह भजाएब आ मैर जाएब । प्रहरीकेँ कार्य कुशलता प्रति प्रश्नचिन्ह ठार होइत छै । प्रहरी कार्यालयके गम्भीर लापरवाही सेहो, देखाइत छै । तैँ सत्यतथ्य छानविन हुअ चाही आ दोषी पर कार्यवाही सेहो ।
प्रतिक्रिया